Friday, April 12, 2013

Alok Nath (Jha) : A Great Maithil Actor in Bollywood



हिंदी फिल्म जगतक सदाबहार चरित्र अभिनेता आलोकनाथ (झा- हुनकर सरनेम) मूल रुपसं मैथिल छैथ । ओ मिथिलाक खगडिया जिलाक मूल निवासी छैथ,  मुदा आब अपन माईट-पाईनसं कटि गेल छैथ । आलोकनाथक नैनपन दिल्ली आ जीवन मुंबई मे बीतल। सिनेमा आ टेलीविजनक एहि प्रसिद्ध कलाकार आलोकनाथ कतेक रास फ़िल्म आ सीरियलमें काज केने छैथ। सन 1980 में सीरियल    " रिश्ते नाते "सं छोटका पर्दा पर अभिनय यात्रा प्रारंभ केलनि मुदा हुनका प्रसिद्धि भेटलनि दूरदर्शनक बहुचर्चित सीरियल " बुनियाद"सं। पछाति, रिचर्ड एटनबोरो केर अन्तर्राष्ट्रीय फ़िल्म “गांधी”, बी आर चोपड़ाक फ़िल्म “ आज की आवाज”, यश चोपड़ाक “ मशाल”, महेश भट्ट केर “ सारांश”, आ यश चोपड़ाक “फ़ासले”में छोट-मोट भूमिका निभौलनि , मुदा एहिके बादो अपन अभिनय क्षमतासं दर्शकक मोनमें स्थान बनाबयमें सफ़ल भेलथि आ दर्शक हुनका चिन्हय लगलनि ।

10 जुलाई 1956 में जन्‍मल आलोकनाथ जी 80क दशकमें चरित्र कलाकारक रुपमें मुख्यधारा आ समानान्तर सिनेमा केर निर्माता- निर्देशक केर पहिल पसिन बनि गेल छलैथ। एक दिस “ ये वो मंजिल तो नहीं” आ “तुषाग्नि” जेहन गंभीर फ़िल्म में काज केलथि, तS दोसर दिस “ कयामत से कयामत तक” जेहन रोमान्टिक आ कमर्सियल फ़िल्ममें अपन अभिनयसं प्रशंसा बटोरलथि।1989में प्रदर्शित फ़िल्म “मैंने प्यार किया”में हुनक अभिनयके के बिसरि  सकैत अछि? एहि फ़िल्ममें पिताक भूमिका सं अतेक चर्चित भेलथि कि हुनक सोझामें फ़िल्म ऑफ़रक बाढि आबि गेल। आलोकनाथ जी तकरा बाद “ अग्निपथ”, “लेकिन”,”खेल”, “शोला आ शबनम’,"विश्वात्मा”, ”दीवाना”, “बोल राधा बोल”, “हम आपके हैं कौन”,”परदेश”, ‘हम साथ साथ हैं, “ आ अब लौट चलें” , “ ताल”,” “विवाह” आदि फ़िल्ममें हुनका द्वारा निभावल गेल शान्त -सौम्य चरित्र किरदारके दर्शक बड्ड पसीन केलक।

अपन अधिकांश फ़िल्ममें पिताक भूमिका केनिहार आलोक जी कतेक रास सीरियलमें काज केने छैथ आ एखनो कय रहल छैथ। हुनक सीरियलमें  “तलाश’, ‘तारा”, “अस्तित्व..एक प्रेम कहानी”,”पिया का घर’, “वो रहने बाली महलों की’, ‘घर एक सपना”, “हर घर कुछ कहता है”,”सपना बाबुल का-विदाई आ “ यहां मैं घर- घर खेली” जेहन सीरियलमें चरित्र किरदार बनल छलैथ।

आलोक नाथ जी 1973 सं 1995 धरि किटप्लाई नामके एकटा कम्पनीमें कार्यरत छलैथ।

2 comments: