हिन्दी आर मैथिली रंगमंचक एकटा प्रसिद्ध आ माजल क्लाकारक नाम अहि भव नाथ झा । रंगमच सं जुड़ल एहन के कलाकार छथि जे हिनकर नाम सं परिचित नहिं हायत ?
मैथिली आ हिन्दी के विभिन्न नाटककार द्वारा लिखल लगभग 3 दर्जन नाटकक लगभग 50सो बेर श्री दयानाथ झा, श्री त्रिलोचन झा , श्री शंभू नाथ मिश्रा, श्री मोहन तिवारी, श्री सुबोल घोष, श्री गंगा झा, श्री शिवरतन तुल्स्यान जेहन निर्देशकक निर्देशन में कतेको रंगमंचीय प्रदर्शन में भाग लेने छथि आदरनीय भवनाथ झा जी।
“वीर अभिमन्यु”, “दानवीर कर्ण”, “शेष नाग”, “अहिबातक पातिल”, “उगना”, “सुखायल डाढि नव पल्लव”, “अन्धों की दुनिया”, “आन्हर”, “एना कतेक दिन”,”कुहेष”, “ढाई आखर प्रेम का”, “अन्हार जंगल”, “बकलेल’, “कुर्सी खाली अछि”, “आतंक”, “फ़ांस” आदि कतेक रासे नाटकक हिस्सा बनल छथि! मैथिली टीवी सीरियल “नयन ने तिरपित भेल” आ मैथिली फ़िल्म “अप्पन गाम अप्पन लोक” भव नाथ जीक उत्तम अभिनयक परिचायक थीक।
सम्प्रति, हावड़ा में रहिकए चीफ़ अकाऊन्टेन्टक रुप में काज कय रहल छथि ! संगे विशेष सामाजिक आ सांस्कृतिक कार्यक्रम में एन्करिंग करैत रहैत छथि। प्रसिद्ध गायक किशोर कुमारक गीतअक ऑडियो सीडी में महत्वपूर्ण एन्करिंग से हो केने छथि!
आशा अछि कि भव नाथ झा जल्दिये कोनो मैथिली फ़िल्म में से हो देखाइ देता!!!! रिपोर्ट- भास्कर झा