Thursday, September 1, 2011

Actor Anil Mishra : An Established Name in Films and Theatre



मैथिली फ़िल्म ओ रंगमंचक अभिनेता अनिल मिश्रा एकटा स्थापित नाम अछि। मूल रूप सँ सीतामढ़ी जिला'क चोरौत गामक  निवासी अनिल मिश्रा भंगिमा (पटना), प्रतीक (मधुबनी), मैलोरंग (नई दिल्ली) सँ नाटक  केने छथि आ क' रहल छथि | रंगमंच सं एखनो जुड़ल अनिल जी कयकटा मैथिली फिल्म मे  अभिनय केने छथि। अनिल मिश्रा के बारे में मैलोरंगी प्रकाश झा जी खुलि कय कहैत छथि - " मुक्ति पर्व नाटक मे दिल्लीक लोक हिनका साम्ब सन मजबूत चरित्र मे देखलन्हि अछि । मैलोरंग द्वारा प्रस्तुत नाटक मुक्ति पर्व में दिनांक 29.08.2011 '. सुन्दर अभिनेता छथि." । "सिंदूरदान" ,"एक चुटकी सिन्दूर" (मैथिली)  मे मुख्य नायक आ "शादी बियाह" (भोजपुरी) मे सहनायक'क भूमिका'क संगहि  हिन्दी धारावाहिक "जिमी और जूते","चाचा चौधरी ",भाग ना बांचे कोय" आ मैथिली  धारावाहिक 'नयन न तिरपित भेल', 'जंगला मंगला' आदि मे सशक्त अभिनय कयने छथि । राजसी मैथिली फ़िल्म प्रोडक्शनके अधीन निर्मित, पं बलदेव  झा द्वारा प्रस्तुत आ किशोर नाठ जी द्वारा निर्देशित फ़िल्म “चट मंगनी पट बियाह “ आ “सिनेहिया” हिनक आबय बल मैथिली फ़िल्म अछि।

8 comments:

  1. अनिल मिश्रा के बारे में मैलोरंगी प्रकाश झा जी खुलि कय कहैत छथि - " मुक्ति पर्व नाटक मे दिल्लीक लोक हिनका साम्ब सन मजबूत चरित्र मे देखलन्हि अछि. मैलोरंग द्वारा प्रस्तुत नाटक मुक्ति पर्व मे. दिनांक 29.08.2011 क'. सुन्दर अभिनेता छथि." ।

    ReplyDelete
  2. मैलोरंग रंगमंडल संग अनिल मिश्र जी लगातार अभिनय क' रहल छथि. अनिल जी जतबे नीक अभिनेता छथि ओतबे नीक इंसानों छथि. अनुशासन हिनकर सबस' पैघ गुण छनि. अनुशासन अपना भीतर आ अपन अभिनीत पात्रक भीतर सेहो. एहि दुनूक बीच तारतन्य बनाबय मे माहित छथि अनिल मिश्र जी. हम गौरवांवित छी जे अनिल मिश्र जी सन निस्सन अभिनेता हमरा संग जूड़ल छथि. मैथिली फिल्म जगत एखन तक हिनकल अभिनय प्रतिभाक नीक जेना सदुपयोग करबा मे असफल रहल अछि. -- प्रकाश

    ReplyDelete
  3. adbhut abhineta.....hum sabh bahut gaurvanvit chi je rhen senior aa manjal abhineta s' abhinay aa anushasan k paath sikhe ke mauka milal chaik...:)
    Anil bhai k subhkamna....:)

    ReplyDelete
  4. Anil jee ekta sashakt kalakar chhaith maithili film ehane majbut kalakark jarurat chhai CHHUTAT NAHI PREMAK RANG me seho e jabardasht abhinai kene chhaith maithili film jagat ke hinkar abhinay ke nik jekan upyog karba ke chahi

    ReplyDelete
  5. http://idiotsmonkey.com/all-maithili-movies-of-2014-14/

    ReplyDelete
  6. http://idiotsmonkey.com/all-maithili-movies-of-2014-14/

    ReplyDelete
  7. http://idiotsmonkey.com/all-maithili-movies-of-2014-14/ e

    ReplyDelete