Saturday, March 24, 2012

Vinod Gwaar : A Verstile Singer & Actor


मिथिलाक आंगन सं आयल कला आ संगीत क्षेत्र में अपन पक्का स्थान बनाबक लेल तत्पर एक बहुमुखी कलाकार विनोद ग्वार जी अपन गायन आ अभिनय सं समस्त मिथिलावासीक माथ गर्व सं ऊठा रहल छथि। सूफ़ी कलाम आ भक्ति गीत के लेल उपयुक्त मधुर स्वरक धनी विनोद जी मुम्बई स्थित सामाजिक-सांस्कृतिक संगठन “कजरी” के तत्ववधान में देश विदेश के अनेक भाग में अपन गायकीक सफ़ल आ सुन्दर प्रदर्शन कय रहल छथि। 1993 में स्थापित “कजरी” के संस्थापक सदस्य विनोद जी ईप्टा (IPTA) के एकटा सक्रिय सदस्य छथि एवं अपन रंगमंचीय अभिनयक प्रदर्शन से हो बड नीक जका कय रहल छथि।

मूलत: मधुबनी के रहनिहार विनोद ग्वार जी क्लासिकल गीतक शिक्षा गुरु श्री गजानन सलूंके (किरण घराना) तथा क्लासिकल संगीतक विधिवत शिक्षा गंधर्व महाविद्यालय, मिराज, महाराष्ट्र में प्राप्त केने छथि।

विनोद जी के स्वर साधना के आधार पर हि हुनका कयकटा फ़िल्म आ सीरियल में सर्वप्रथम बैकग्राऊन्ड आलाप देबकय सुवसर प्राप्त भेल छनि जाहि में निखिल के संगित निर्देशन में फ़िल्म “चांद बुझ गया”, अजय के संगीत निर्देशन में फ़िल्म “सौतन” किछु महत्वपूर्ण नाम अहि। संगहि, प्लेबैक गायकक रुप में विनोद जी के फ़िल्म “सौतन”, “देख भाई देख”(ऋचा शर्मा के संग), “जय जय सुन्दरकांड”, कन्नड़ फ़िल्म “ ईब्बानी” आदि में गीत गाबय के अवसर भेटलनि ।

विनोद जी प्रसिद्ध फ़िल्म निर्देशक तथा संगीतकार मुरलीधर जीक मैथिली फ़िल्म “सजना के अंगना में सोलह सिंगार” में 3टा गीत गाबअय के अतिरिक्त अपन अभिनयक जलवा सेहो देखेने छथि। मुरलीधर जी के संग हिनका द्वारा गावल गीत “इन्दिरा आवास के रुपैया, सबटा खा गेल मुखिया” बहुते लोकप्रिय अछि । संगहि अहि फ़िल्म में हिनकर अभिनयक प्रशंसा खूब कयल जा रहल अछि।

किछु गीत

1 comment:

  1. सही में विनोद बहुत ही अच्छे गायक है ...अब जल्द ही इन्हें फिल्म "साईं मोरे बाबा " सूफियाना भोजपुरी में सुनने को मिलेगा सही में गजब की गायकी है .... उस गाने को सुनकर ऐसा लगता है ..मनो धरती और आकाश एक हो गये है ...!!

    ReplyDelete