Monday, July 9, 2012

Chat Mangni Patt Bhel Biyah: Coming Maithili Film (report Bhaskar Jha)


राजसी मैथिली फिल्म प्रोडक्शन के अधीन बनि रहल पं. बलदेव ठाकुर दुवारा प्रस्तुत आ किशोर नाथ झा द्वारा निर्देशित मैथिली फिल्म "चट मंगनी पट भेल बियाह"क शूटिंग मधुबनी शहर सँ सटल गाम जितवारपुर, हरिनगर, अमादा एवं अन्य जगह में चलि रहल अछि।  अहि फिल्म में अभिनेता अनिल मिश्रा, भाषा झा, चर्चित दूरदर्शन कलाकार आ उद्घोषक रामसेवक ठाकुर, बंदना झा, खुश्बु ठाकुर, किशोरनाथ ,सुजीत कुमार, देवनाथ यादव, मिथिलेश धर्नुवंशी, आशीष कुमार मंटु, मनिषा, काजल झा, खुशबु, प्रसिद्ध दूरदर्शन अभिनेत्री, रंगकर्मी आ गायिका कल्पना मिश्र, कलानंद झा एवं पवन ठाकुर जेहन कलाकार अभिनय क रहल छथि।फ़िल्मक निर्माता छैथि मनोज कुमार ठाकुर एंड कम्पनी, सह-निर्माता ऋषि बशिष्ठ जी छैथ। फ़िल्मक गीत जे सुधीर झा लिखने छैथ। ऋषि बशिष्ठ फ़िल्मके कथा,पटकथा आ संबाद लिखने छैथ।  बहुत जल्दिये एकटा नीक  फ़िल्म देखबाक अवसर भेटत। 
  फ़िल्म में संगीत दय रहल छैथ पवन नारायण जे कि मैथिली के एकटा आर आबय  निर्देशक मनोज झा द्वारा निर्देशित फ़िल्म " खुरलुच्ची" में सेहो नीक संगीत देने छैथ। फ़िल्म में गीत गेनिहार गायक छैथ- राम बाबू झा,पवन नारायण, खुश्बू उत्तम सिंगर, खुश्बू सिंह आर ऋचा ठाकुर।- भास्कर झा



 मैथिली फिल्म "चट मंगनी पट भेल बियाह"के एकटा दृष्य में अभिनेता अनिल मिश्रा आ भाषा झा।
अभिनेता अनिल मिश्रा
  
फ़िल्मक एकटा आर  दृष्य में कलाकारा काजल झा आर किशोर झा। By Bhaskar Jha
फ़िल्मक संगीतकार गायक पवन नारायण

5 comments:

  1. HARDIK SHUBHKAMANA ACHHI..............

    ReplyDelete
  2. ROSHAN SHANDILYA MAITHIL
    HARDIK AGREEM SUBHAKAAMNAA AAE..AHAN KE ..FILM BAHUT NIK KRAT..
    BT KICHU TRAILOR JAROOR FB/YOUTUBE PAR PRASTOOT KARAB....TAAKI JYADA SE JYADA LOGAK JAANKARI HOYAT..
    BADHAI AAICH OHINA MAITHIL SAMAJ KE AAGAN BADHAU..JAI MITHILA...

    ReplyDelete
  3. http://www.facebook.com/ChatMangniPatBhelBiyah?ref=hl

    ReplyDelete
  4. Visit our face book page by putting www.facebook.com/ChatMangniPatBhelBiyah

    Thanks

    ReplyDelete