माड़र (सिरहा) जिला के मूलवासी धर्मेन्द्र मोरबैता मैथिली मनोरंजन के सुपरिचित निर्माता आ अभिनेता रूप में परिचित छैथ। “गरीब'क बेटी”, “सुहागिन” आदि मैथिलि फिल्म में धर्मेन्द्र जी बतौर नायक काज कय चुकल छैथ। मैथिलि धारावाहिक ' कोना जियब हम अहाँ के बिना' (तराई टीवी आ सौभाग्य मिथिला),” घोघ’ संगहि भोजपुरी फिल्म 'लगाई दी चोलिया के हुक राजाजी' आ “बिरजुआ ठेलावाला “ में अभिनयक का जलवा बिखेरने छैथ । “.खुरलुची” हिनकर आब बला मैथिली फिल्म अछि आ “सजना सिनेहिया” हिनकरे होम प्रोडक्सनक अगिला फिल्म हायत । संगहि, एनी प्रोडक्सनक एकटा मैथिली फिल्म में धर्मेन्द्र मोरवेता जी नव अवतार में देखाई देताह। फ़ीडबैक- फ़िल्मी मिथिला
No comments:
Post a Comment