Monday, February 4, 2013

Bhasha Jha: Advent of One more Maithil Actress on Screen





मैथिली सिनेमामें मैथिल अभिनेत्रीक खगताक पूर्ति हेतु किछु नीक अभिनेत्रीक अवतरण भेल अछि। एहने उभरैत मैथिल अभिनेत्रीमें एकटा लोकप्रिय नाम अछि भाषा झा। मूल रुपसं दरभंगाके रहनिहा तथा वाणिज्यमें स्नातक (बीकॉम) भाषा झा सौभाग़्य मिथिला चैनल के लेल बनल मैथिली सीरियल " बिनु मुएने स्वर्ग नहिं" सं अपन अभिनय यात्रा प्रारंभ केने छलीह। किशोर नाथ जी द्वारा निर्देशित मैथिली फ़िल्म " चट मंगनी पट भे बियाह'में भाषा झाक अभिनय बड्ड प्रशंसित भेल अछि। मैथिलीके अतिरिक्त, भाषा झा एकटा भोजपुरी फ़िल्म ' बड़का छोटका"में अपन अभिनयक छटा प्रदर्शित केने छैथ। एक वर्ष धरि ईटवीक कार्यक्रम " मिसेज भाग्यशाली" में एंकरिंग कयलाके बाद भाषा झाके एकटा नीक पहचान भेटल छलैन। भाषा झा वर्तमान में डीडी भारती पर प्रसारित कार्यक्रम " खान-पान" में एंकरिंग कय रहल छैथ। शीघ्रहि वो एकटा आर मैथिली फ़िल्ममें औतीह।

No comments:

Post a Comment