Sunday, December 29, 2013

Sharad Jha: Maithil Dancer in Bollywood





अभिनय, निर्देशन, गायन, संगीत तकनीकी, लेखन जेहन प्रमुख क्षेत्रमे बहुत रास युवा मैथिल प्रतिभा अपन धकगर उपस्थितिसं बॉलीवुड टेलीविजन क्षितिज पर जगमगा रहल छैथ आ कैकटा युवक मायानगरीमे संघर्षरत आ प्रयासरत छैथ। नॄत्य क्षेत्रमे एहने एकटा प्रतिभाशाली उदीयमान मैथिल सपूत छैथ शरद कुमार झा जेकि डांसिंग कलासं बॉलिवुडमे अपन पहिचान बनबैमे सफ़लताक दिस अग्रसर भ’ रहल छैथ। 

मूलत: मिथिला केर मुजफ़्फ़रपुर जिलाक लदौर गामक रहय बला शरद बॉलिवुडक लगभग सब नामी गिरामी कलाकारक संग डांस क’ चुकल छैथ । मायानगरीमे बिना कोनो सहयोगके डांसिंग क्षेत्रमे अपन नृत्य अभिनयक याट्रा क्रममे हुनका बड्ड संघर्ष करय पड़लनि आ अन्तत: अपन प्रतिभा बलबूते सफ़लता प्राप्त कायलनि अछि आ एकटा फ़ुलफ़्लेज्ड कोरियोग्राफ़रक रुपमे अपन एकटा फ़राक पहिचान बनबै लेल प्रयास क’ रहल छैथ। बीकॉम ग्रेजुएट शरद 2007सं बॉलिवुडमे अपन पएर जमौने छैथ  आ सिने डांसर्स एशॊसियेशन(बॉलिवुड) केर अहम सदस्य छैथ । बहुत कम समयमे शरद झा स्टार गोल्ड अवॉर्ड्स 2006-07, स्टार परिवार अवॉर्ड्स 2012, आइफ़ा अवॉर्ड्स 2012 (सिंगापुर), बिग बॉसमे डांस परफ़ॉर्मेंस सहित बहुत रास हिन्दी फ़िल्ममें अपन नॄत्य कलाक प्रदर्शन क’ चुकल छैथ। संगहि देश- विदेशमें कैकटा एड शूट सेहो केने छैथ। "दोस्ताना", "यमला पगला दीवाना 2", "बेशरम", "मेरे ब्रदर की दुल्हिन","गुन्डे", "डु नॉट डिस्टर्ब", "आगे से राइट" आदि फ़िल्ममें हिनक डांस देखल जा सकैत अछि। हिनक आबय बला फ़िल्म छैन " जय हो" । एहन मैथिल प्रतिभाकें नमन आ बहुत रास शुभकामना ।
 

3 comments: