Saturday, September 3, 2016

NAMRI LUCHHA: MAITHILI ALBUM VIDEO



मैथिली गीतक माधुर्यसं आइ के नहि अवगत अछि? कहबाक आवश्यकता नहि जे मैथिली गीतक अपन गौरवमयी परम्परा रहल अछि। लोकगीत हो वा संस्कार गीत वा हास्य गीत, मिथिलामे मैथिलीक मधुर बोल प्रत्येक मैथिलक कंठमे बसल रहैत अछि।

मैथिलीमे ओना तs नित दिन गीतक एलबम बहराईत रहैत अछि, मुदा कानफ़ारु संगीतसं मैथिलीक गीत-संगीतक सुदीर्घ परम्पराकें आगू बढबामे विफ़ल होयत रहल अछि। भोजपुरी गीत-संगीतक तर्ज पर बनाओल गेल एहन गीतक सीडी मात्र किछुये दिन चललाक बाद गीत-प्रेमी हृदय ओ मानससं झटसं विस्मृत भजायत अछि।

किछु मासपूर्व मुम्बई स्थित किछु मैथिली प्रेमी गायक, गीतकार, संगीतकार, अभिनेता आ निर्देशक केर सहयोगसं प्रस्तुत म्यूजिक एलबम विडियो नमरी लुच्चामैथिली गीत प्रेमीके अपन सुन्दरतम प्रस्तुति दिस ध्यान आकृष्ट करबामे सफ़ल बूझना जा रहल अछि। एक्स्ट्रीम पिक्चर्स आ प्रवेश मल्लिक प्रोडक्शन्स केर बैनरके अनत्रग्त निर्मित मैथिलीक एकल विडियो एल्बम नमरी लुच्चाअपन कर्नप्रिय गीत-संगीत आ मैथिलीक खांटी बोलक सं संग प्रभावपूर्ण प्रस्तुतीकरण बलबूते आई मैथिली गीत प्रेमीकें बड्ड बेसी प्रभावित कएने अछि। मिथिलाक विभिन्न भागमे चर्चित आ लोकप्रिय एहि एलबमक गीतके लिखने छैथ प्रवेश मल्लिक। प्रवेश मल्लिकए के संगीतमे एकर धुन तैयार भेल अछि। हुनक संगीत संयोजन प्रशंसनीय अछि। गायक प्रेम प्रकाश कर्णक डबल रोल- गायनक आ अभिनयक दुनू गजबके लागि रहल अछि। प्रेमक आवाजमे जे खनक अछि ओ ई साबित करहल अछि जे आबय बला समयमे फ़िल्मक लेल प्लेबैक सिंगिंगमे एकटा पैघ नाम होयताह! बॉलिवुडक उदीयमान अभिनेता संजीब पूनम मिश्राक दमदार अभिनय देखबा योग्य अछि। अभिनेत्री आफ़रीनक अदायगी मैथिली ललनाकें अभिनय दिस डेग आबय लेल एकटा अलगे संदेश दs रहल अछि। मिथिला-मैथिलीक गौरवपूर्ण इतिहास पर आ मिथिलाक सामाजिक कुव्यवस्था बहुत रास डॉक्यूमेंटरी बनेनिहार, ‘मुखियाजी फ़िल्मक सफ़ल निर्देशनसं चर्चित युवा निदेशक विका झाक सिनेमेटोग्राफ़ी, सम्पादन आ निर्देशन प्रभावित करैत अछि। मुदा, विडियोक जेना नीक प्रारंभ भेल अछि, ओना अंत नहि।

नमरी लुच्चाक विडियो देखलाक बाद ई लगैत अछि कि ई कोनो आगामी मैथिली फ़िल्मक प्रोमोशन के लेल बनाओल गेल म्यूजिक विडियो अछि। एकर लोकप्रियता नमरी लुच्चा नामक मैथिली फ़िल्मक भावी निर्माणक आभास दिया रहल अछि। विशेष बादमे…..

एलबमसं जुड़ल समस्त सहयोगीके शुभकामना !


विडियो देखबाक लेल नीचा क्लिक करु

2 comments:

  1. अत्यंत सुखद... प्रतिक्षा में रहब...!

    ReplyDelete
  2. बहुत नीक आलेख..निर्देशक के नाम में त्रुटी भ' गेल ऐछ..कृपया सुधार कायल जाऊ.धन्यवाद.

    ReplyDelete