Sunday, April 29, 2012

Mantu Jha : A Great Actor with Mettle & Muscle



ई छथि युवा कलाकार मंटू कुमार झा । मूलत: बाबा के नगरी देवघर के रहनिहार मंटू झा 2006 में सत्संग कॉलेज, देवघर सं विज्ञान में इन्टरमिडियट केला के बाद दिल्ली चलि गेला आ वोहि ठाम सं 2009 में एशियन एकेडमी ऑफ़ फ़िल्म एंड टेलिवीजन  (AAFT), नई दिल्ली सं अभिनय में डिप्लोमा प्राप्त केने छथि आ संगहि अहि संस्थान द्वारा हिनका “बेस्ट स्टूडेन्ट”क पुरस्कार सेहो भेटल छनि। 

अभिनय, मॉडलिंग, नृत्य आ नाटक में प्रवीण , मंटू झा शुरु शुरु में थियेटर में कोरस पात्रक भूमिका निभावति कयकटा टीवी सिरियल केने छथि। मंटू झा महुआ चैनल के साथ दू-दू बेर काज करैत सिरियल “ क्राईम रिपोर्टर” एवं सहारा वनक सिरियल “शोर”, जीटीवीक सिरियल “झांसी की रानी“, “शोभा सोमनाथ की “ में बड्ड नीक काज केने छथि। हैदराबाद में दक्षिण भाषाक फ़िल्म “ नींद”क लेल ट्रेलर शूट सेहो केने छथि। मुख्य खलनायक भूमिकाक रुपमे मैथिली फ़िल्म " दिवाना अहांक प्यार"मे हिनक अभिनयकें बड्ड प्रशंसा भ' रहल अछि। मैथिली फ़िल्मक बाद हिनक भोजपुरी फ़िल्म " नगीना"में सेहो एकटा दमदार भूमिकामे आबि रहल छैथ। एखन मंटू जी "जीय हो बिहार के लाला" मे काज क' रहल छैथ ।





2 comments: