Tuesday, July 24, 2012

Actor Romi Thakur: "Santua" of " Sasta Jinagi Mahag Senur" (by Bhaskar Jha)


अभिनेता रोमी ठाकुर
मैथिलीक बहुचर्चित फ़िल्म”  ससता जीनगी महग सेनुर”क संटुआ के के बिसरत ? अपन सहज आ स्वाभाविक अभिनय कला, आ संवाद बाजय के  अदभुत शैली के कारण समस्त मैथिल दर्शकके हृद्यमें नीक स्थान बनाबय बला आर सबके चहेता कलाकार छैथ रोमी (प्रदीप) ”संटुआ” ठाकुर। मूलत: दरभंगा जिलाक नेहरा के रहनिहार रोमी ठाकुरक प्रारंभिक शिक्षा केर उपरांत मुम्बई चलि अयला आर अभिनय के क्षेत्र में अपन भाग़्य अजमाबक लेल संघर्ष करय लगलैथ। आशा चन्द्रा फ़िल्म इंस्टिच्यूट , मुम्बई सं एक्टिंग कोर्स केने छैथ।  मुदा किछु नीजी कारणवश रोमी जी मुम्बई छोड़ि देलैथि। रोमी जी इंडियन मोशन पिक्चर्स प्रोड्यूसर एशोसियेशन (IMPPA) केर पूर्व सदस्य रहि चुकल छैथ।
अभिनय के क्षेत्र में कैरियरक प्रारंभ केना भेल पूछला पर रोमी जी बतौलनि कि मुरलीधरक निर्देशन में बनय जा रहल फ़िल्म” ससता जीनगी महग सेनुर”क शूटिंग नेहरा गाममें निर्धारित छल। मुरलीधर जी किछु कलाकारक कमीके देखैत स्थानीय कलाकार के लेबय चाहैत छलैथ। रोमीजीक व्यक्तित्व, भाषा शैली आदि निर्देशक मुरलीधरजीके बड्ड पसीन पड़लनि आर रोमी जीके दोसर मुख्य अभिनेता “संटूआ”क भूमिका द देलखिन। परिणाम ई भेल कि फ़िल्म केर उपकथानक में चारि चांद लाग़ि गेल। फ़िल्म में अपन नीक अभिनय सं सबके प्रभावित केलनि अछि। 
रोमीजीक दोसर फ़िल्म “पिया संग प्रीत कोना हम करबै” आयल छल। अहू फ़िल्ममें रोमीजीक भूमिका मोटा-मोटी काबिले तारीफ़ अछि। कराटे में प्रशिक्षित रोमी जी एकटा अप्पन प्रोडक्शन हाउस खोलय के इच्छुक छैथ आर कहलनि कि वो जल्दिये मां भगवती के चमत्कार सं संबंधित  सत्य घटना पर आधारित एकटा मैथिली फ़िल्म बनौता। आशा करैत छि कि हम सब ‘संटूआ” के एकटा आरो कोनो नीक अवतार में देखब।– भास्कर झा

No comments:

Post a Comment