Monday, August 6, 2012

Ramesh Ranjan : A Representative of Maithili Theatre and Cinema


ई छैथ मैथिली रंगमंच आर सिनेमा केर महान हस्ती रंगकर्मी आर अभिनेता रमेश रंजन । मूलत: धनुषा (नेपाल) जिले के परवाहा के रहनिहार रमेश रंजन जी 30 वर्ष सं बेशी धरि मैथिली रंगमंच पर अपन निर्देशन, अभिनय आर लेखन कार्य सं सक्रिय छैथ । नाटककार के रुप में हिनकर प्रमुख कृतिमें “मुर्दा , बगिया, बुधियार छोड़ाराक्षस “ किछु नां अछि। खोंता, सिंगार, डेग ,लेहुआयल आँचर, हमरा नेपाल चाही” आदि जेहन नाटक के निर्देशन केने छैथ। रमेश रंजन जी सुभाष गजुरेल निर्देशित "एकटा आओर बसंत " में खलनायक केर अद्वितीय भूमिका निभौने छैथ। हिनकर द्वारा अभिनित किछु लघु फ़िल्म अछि- चमेली, आशीर्वाद, कनियाआदि । फ़िल्म “ममता’क कथा-पटकथा आदि लिखबाक संग-संग फ़िल्ममें खलनायक बनल छलैथ। सौराठ सभा", 'पुनि पुनि होय सियाराम बियाह', 'राजा सलहेस' आदि हिनकर किछु डॉक्युमेंट्री फिल्म अछि जकर लेखन सं लयके निर्देशन केने छैथ।  संक्षिप्त:, रमेश रंजन जी साहित्य, फ़िल्म, नाटक केनिहार एकटा अनुभवी मैथिल छैथ जिनकर योगदान लेला सं मैथिली फ़िल्मक दशा आर दिशा बदलि सकैत अछि। श्री रंजन सम्प्रति नेपाल सरकार के संगीत नाटक प्रज्ञा प्रतिष्ठान में कार्यरत छैथ। - फ़िल्मी मिथिला

No comments:

Post a Comment