Saturday, September 8, 2012

चट मंगनी पट भेल बियाह- किछु जानकारी- पवन झा

अहि फिल्मक निर्देशक आ अभिनेता छथि किशोरनाथ. किशोर जी मूलत: मधुबनीक छथि...... 7-8 साल पहिने तक मैथिली रंगमंचक मानल अभिनेता मानल जाईत छलाह... हिनकर अभिनीत नाटक मे सबस' मुख्य अछि ओरिजनल काम। अहि नाटक मे कम्पनीक रूप मे अभिनय सर्वश्रेष्ट छल.... भगताक रूप मे देवनाथ यादव जी छथि जिनकर फोटो उपर रामसेवक जीक संग लागल अछि..... 80क बाद मैथिली रंगमंच के मधुबनी आ ओकर आस-पास क्षेत्र मे गति प्रदान केनिहार लोक सब मे प्रमुख व्यक्ति छथि देवनाथ भाई, नीक अभिनेता, नीक लोक.... आर बहुत किछु...... बांकी राम सेवक जी के बारे मे बेसी कहब उचित नहि ... ओ त' सर्व विदित छथि... ओकर बाद अनील मिश्र, मैथिली फिल्मक युवा अभिनेता ... अभिनयक दृष्टिकोण स बढियां काज केने छथि....... संगीत छनि - पवननारयण जीक... बहुत मैथिली गायक के जीवन मे सुननए छी... परंतु पवन नारायण जीक लोकगायनक एकटा अलग अन्दाज़ छन्हि..... अहि फिल्मक गीत आ संगीत दुनू प्रभावकारी छैक.... खास क' टाईटिल गीत...."चट मंगनी पत भेल वियाह.... आ की कहु बहिना..... संगहि आईटम सांग सेहो ..नीक...." .................. परंतु अहि फिल्मक कथा, पटकथा, सम्वाद, प्रस्तुति केनिहार छथि प्रसिद्ध मैथिली युवा साहित्यकार आ मिथिला सृजनक सम्पादक भाई ऋषि वशिष्ठ........। हुनकरे योजना आ सोचक प्रतिफलक नतीजा अछि ई फिल्म............. ओना फिल्म बड सुन्दर बनल छैक..... कथा योजना मे समाज, आ परम्परा के नव कसौटी पर कसैत हास्यक पुटक सनग एकटा बहाव सेहो छैक ... तें सम्पूर्ण परिवार के संगे देखल जा सकैत छैक...... । - पवन झा

No comments:

Post a Comment