Monday, April 29, 2013

Pankaj Jha : A Multifaceted Maithil Actor in Bollywood


बहुत रास हिट हिन्दी फ़िल्म आ सीरियलमें काज कए अपन अभिनय क्षमता सं मिथिला- मैथिलीक मान सम्मान बढबै बला अभिनेता लोकनिमें एकटा प्रतिभाशाली अभिनेता छैथ पंकज झा । मूलरुपसं सहरसा ज़िलाके मुरादपुर गांवके रहनिहार पंकज जी नीक अभिनेताक संग संग पेन्टर, कवि आओर बांसुरी वादक छैथ । हिनका नैन्हपनि संहि अभिनयक शौक छलैन।

अपन नैन्हपनमें पंकज जी अपन गामक लोकके नक़ल (मिमिक्री) करैत छलैथ। पैघ भेलाक बाद अपन गाममें  किछु दोस-महिमक सं मिलि एकटा छोट मोट थियेटर ग्रूपक स्थापना केलनि । एहि रंगमंच सं जुड़ि कएकटा नुक्क़ड नाटकक मंचन कएलथि। प्रारंभिक प़ढाई लिखाईके पछाति,  पंकज जी उच्चतर शिक्षाक वास्ते पटना चलि अयलाह आ एहि ठाम फाइन आर्ट्स केर पढ़ाई करय लगलाह। एहि क्रममें पटनामें थिएटर सं नीक जेना जुड़ि गेलाह। फ़ेर पंकज जीक दिल्ली आगमन भेल। नेशनल स्कूल ऑफ ड्रामा (NSD) सं प्रशिक्षण लएलाक पछाति , अभिनय प्रतिभा प्रदर्शन के लेल ओ मुंबई चलि गेलाह। मुम्बईमें बिना कोनो फ़िल्मी बैकग्राउन्डके , अपन मेहनतिक बल पर, सब तरहक चुनौती सं लड़ैत- डटैत अपंकज जी फ़िल्मी दुनियामें अपना आपके ठार करय लगलाह। मुम्बईमें पंकज जीकें अपन पहिल फ़िल्म “ मॉनसून वेडिंग”में काज करबाक अवसर भेटल छल। मीरा नायर केर निर्देशनमें निर्मित एहि फ़िल्ममें हुनक अभिनयके बड्ड प्रशंसा भेटल छल। फ़ेर, अनुराग कश्यप केर फिल्म “गुलाल’में हुनक भूमिकाके बड्ड पसीन कएल गेल।

तकरा बाद पंकज जी लगातार बहुत रास फ़िल्ममें काज करैत चलि गेलाह। “बी केयर फुल” , “मुंबई कटिंग”,  “चलो दिल्ली”, “लफंगे परिंदे”, “तीन पत्ती”, “लाहौर”, “आपका सुरूर”, “अनवर”, “शिवा”, “मंगल सिंह”, “ब्लैक फ्राइडे”, “चमेली”, “मुद्दा द इश्यू”, “हज़ारों ख्वाहिशें ऐसी”, “मातृभूमि: ए नेशन विदाउट वीमेन”, “कंपनी”, “ अता पता लापता” जेहन सफ़ल फिल्ममें अपन दमदार भूमिका देखौला। भोजपुरी फ़िल्म “ देसवा”, “ हासिल”में हुनक अभिनय बड्ड प्रसंसनीय अछि।
हिन्दी फ़िल्मक अतिरिक्त ,पंकज जी टेलीविजन टीवी सीरियलमें सेहो काज केने छैथ। “काशी”में केंद्रीय भूमिका निभौने छलैथ आ लाइफ ओके पर प्रसारित सीरियल “26/11 “ सेहो अभिनय केने छलैथ।
पंकज जीक आबए बला फ़िल्म अछि “ दशहरा”। ओ जल्दिये एकटा मैथिली फ़िल्ममें सेहो देखाइ देताह।

No comments:

Post a Comment