Wednesday, August 31, 2011

साक्षात्कार :आन्हर क रोल करब चुनौती छल: श्रृति झा


करै लगलथि इ श्रृति कए पता नहि चलल। ‘धूम मअंग्रेजी साहित्य क पढ़ाई आ थियेटर करैत-करैत कखन सीरियल चाओ धूम’, ‘जिया जले’, ‘ज्योति’ आओर ‘शौर्य आ सुहानी’ सन सीरियल मे काज करि छोट पर्दा क जरिए..घर-घर मे पहचानल चेहरा श्रृति झा इमैजिन टीवी पर आबि रहल सीरियल रक्त संबंध मे लीड भूमिका मे छथि। एहि मे ओ आंखि क रोशनी गवां चुकल ‘संध्या’ क रोल निभा रहल छथि। प्रस्तुत अछि समाद लेल श्रृति झा स विनीत उत्पल झा क गपशपक खास अंश-ः

-अंग्रेजी साहित्य क स्टूडेंट छी, एक्टिंग मे कोना आबि गेलहु?
-स्कूल-कॉलेज मे थियेटर करैत रही। दिल्ली विश्वविघालय क श्री वेंकटेश्वर कॉलेज स जखन ग्रेजुएशन करि रहल छलहुं तखने थियेटर ग्रुप ज्वाइन केने रही। कॉलेज क ड्रामा सोसाइटी मे शामिल भेल रही आ एक साल प्रेसिडेंट सेहो बनल रही। ओहि दौरान काफी थियेटर केने रही आ एहि स संबंधित वर्कशॉप मे भाग सेहो लेने रही।
-अहांक पैतृक घर कतए भेल, परिवारक आओर कियो एहि फील्ड मे छथि?
-हमर पैतृक घर बिहार क दरभंगा जिला क डरहार नामक गाम भेल। पापा फर्स्ट फ्लाइट कोरियर मे एमडी (नेपाल) छथि। परिवार क कोनो सदस्य एक्टिंग या फिल्म प्रोडक्शन क फील्ड मे नहि छथि।
-एहि मुकाम तक पहुंचबा मे कोनो तरह संघर्ष ?
-कॅरियर मे जतय तक पहुंचलहु अछि, माता-पिता क पर्याप्त सहयोग रहल। कहियो कोनो काज लेल ओ मना नहि केलथि। शुरूआत मे कनि दिक्कत भेल, मुदा आब जखन हमरा टीवी पर देखैत छथि, त सबकए नीक लगैत छैन।
-कौन-कौन सीरियल मे काम केलहु अछि?
-‘धूम मचाआघ् धूम’, ‘जिया जले’, ‘ज्योति’ आ ‘शौर्य आ सुहानी’ मे अभिनय करबाक अवसर भेटल अछि। सीरियल ‘जिया जले’ आ ‘शौर्य आ सुहानी’ मे लीड रोल छल।
-इमैजिन टीवी पर आबि रहल ‘रक्त संबंध’ मे कौन तरह क रोल अछि?
-‘रक्त संबंध’ मे आन्हर लड़की ‘संध्या’ क रोल करि रहल छी। ओ पांच बहिन मे सबस छोट अछि। ओकर विवाह क दिन ओकर पिता खुदकुशी करि लैत छथि आ फेर पांचों बहिन क परिवार सेहो अछि।
-एकटा आन्हर लड़की क रोल करब केतब मुश्किल छल?
-इ रोल करब अपना मे चुनौती छल, मुदा हम एकरा स्वीकार केलहुं। एहि स पहिने सेहो हम मेंटली अनसाउंड क किरदार निभा चुकल छी। ‘संध्या’ कए आंखि मे रोशनी नहि हेबाक कारण स ओकरा लेल हर चीज खूबसूरत छै। ओ अपन दायरा मे सुंदरता कए परिभाषित करैत अछि।
-एहि सीरियल मे आ के के अछि?
-एहि मे हमर अलावा किटी कृष्णमूर्ति, सायंतनी घोष, गुनगुन, भार्गवी चिरमूले, सोनाली निकम, मोहन अगाशे, सचिन श्राफ, ध्रुव भंडारी आदि छथि।
-भविष्य मे कौन तरह क काज करब पसिन करब?
-जतय काज भेटत, नीक काज भेटत, हम जरूर करब।
-की-की शौक अछि अहांक?
-पढ़बाक शौक अछि, फिल्म सेहो खूब देखैत छी। क्लासिक आ ऑटोबायोग्राफी पढ़ब काफी पसिन अछि। अमिताभ घोष क किताब हमरा नीक लगैत अछि। एखन अबरार अल्वी क ‘टेन ईयर वीथ गुरूदत्त’ पढ़ि रहल छी।
-ककरो स रिलेशन?
-हमरा असगर रहब नीक लगैत अछि आ संघर्ष करब सेहो।
फिलहाल हम ककरो संग कोनो ‘रिलेशन’ मे नहि छी।

3 comments:

  1. मूलत: दरभंगा जिला क डरहार नामक गाम के बासी‘। धूम मचाओ धूम’, ‘जिया जले’, ‘ज्योति’ आओर ‘शौर्य आ सुहानी’ सन सीरियल मे काज । इमैजिन टीवी पर आबि रहल सीरियल रक्त संबंध मे लीड भूमिका

    ReplyDelete
  2. hello..its amazinging 2 knw dat u r our darbhanga vasi...and also belong frm our hometown darhar..after seen your role of a blind girl..its full of challenging...best of luck 4 ur new serial...SUOBHAGYABATI BHAWAH; in life ok channel..hamar pura pariwar aur apna mithila dham k taraf sa..subhkaamna...

    ReplyDelete
  3. Sach me maithil putra aa Maithil putri kinko sa kamm nai chhaith..Aab o din door nahi jakhan appan Maithila ke pura duniya me patakha lahrayat.
    Shruti Jha ahanke bahut shubhkamna..je ahan khoob naam kamaau , apna sang sang pariwar ke seho naam karu..
    Bahut Dhanyabad.

    Regards,
    Vibhay K Jha
    www.VKJha.in

    ReplyDelete