गोविन्द पाठक जी किछु एहन मैथिल कलाकारमें सं
छैथ जेकि दूर रहितो अपन मिथिला प्रेम ,मिथिला संस्कृति आ भाषाक सेवामें उल्लेख़नीय
योगदान द रहल छैथ । हिन्दी, मैथिली आओर भोजपुरी सिनेमामें अपन पएर जमाबयमें सफ़ल भए
अपन अभिनय यात्रा पर चलनिहार गोविन्द जी एकटा नीक, लोकप्रिय चरित्र आ हास्य अभिनेता छैथ जेकि बहुत रास हिन्दी,
मैथिली आ भोजपुरी फ़िल्ममें अभिनय केने छैथ आ एखनो कए रहल छैथ। संस्कृत, मैथिली,
हिन्दी, बंगाली, भोजपुरीक नीक ज्ञान रखनिहार पाठक जीक संवाद अदायगी कमालके होयत अछि।
![](https://blogger.googleusercontent.com/img/b/R29vZ2xl/AVvXsEi5pxKKJ2WxLFkfidxVMy8-BUxLBVUrTCB7LLvct1OqyFquyJ3H0TZRtDrqAufj3ai3K0SJrRNS0OAaRrhAhy9P7E7_HsR6WW2XRxYk7M4xgtWIHONvxh5pBbrY3lWA9RktLAk8vdU3tbM/s400/283114_157525667656126_1094129_n.jpg)
चरित्र अभिनेताक रुपमें गोविन्द पाठक जी रघुबीर
यादव आ सौरभ शुक्ला जेहन माजल कलाकारक संग शुभ द्वारा निर्देशित हिन्दी फ़िल्म “
शकल पे मत जा”में नीक अभिनय केने छैथ। फ़ेर, गोल्डी बहलक रोज मूवी प्रोडक्शनक फ़िल्म
“ आई, मी और मैं”में पाठक जी जॉन
अब्राह्म, चित्रांगदा सिंह आ प्राची देशाई संग चरित्र अभिनेताक रुपमें अपन भूमिका
निभौने छलैथ। गोविन्द जी द्वारा अभिनित भोजपुरी फ़िल्ममें ‘ कानून हमरा मुट्ठी में”,
सत्यमेव जयते”, “ राजा के रानी से प्यार हो गईल” आदि किछु नाम अछि।
किछु दिन पहिने प्रदर्शित ओम राजेश्वरी त्रिपुरसुन्दरी
प्रोडक्शन हाउस प्रा लि बैनर मैथिली फ़िल्म " छुटत नहिं प्रेमक रंग" में खलनायकक भूमिकामें मैथिली
सिनेमामें हुनक पदर्पण भेल अछि।
हिन्दी फ़िल्म जगतमें एकटा चर्चीत व्यक्ति
गोविन्द पाठक जी 1 मई 2013 के सम्पन्न भेल सिँटा (एक्टर सबहक यूनियन) केर चुनावमे
मुख्य चुनाव पदाधिकारी छलाह जेकि मिथिलाक लेल गर्वक बात थिक। हुनक मिथिला, मैथिली
प्रेम आ योगदानक लेल हिनका मैथिली युवा परिषद , जमशेदपुर द्वारा “मिथिला विभूति”क उपाधि सं सम्मानित कएल गेल अछि।
समस्तीपुर के गौरव है।
ReplyDeleteMai pathak jee Ka bahot bara fan hu.......Q ki Unka acting Maine deki hai.......Ye Sach me real actor hai....
ReplyDeleteMai pathak jee Ka bahot bara fan hu.......Q ki Unka acting Maine deki hai.......Ye Sach me real actor hai....
ReplyDeleteI am proud of him
ReplyDelete