Tuesday, November 25, 2014

Ramayan Tiwari: Once Selected for Maithili FIlm "Kanyadaan"



ई छैथ बिहारक कलाकार आ हिन्दी फ़िल्मक खलनायक रामायण तिवारी जॆकि मैथिली फ़िल्म कन्यादानमे लालककाक भूमिकाके लॆल चयन भॆल रहथि। चन्द्रनाथ मिश्र अमरकें हुनक उच्चारण शुद्ध करबाक हेतु भार देल गेल रहय । एहि फ़िल्म मे एकटा डायलॉग छल- की भेल? किएक चिकरैत छी ?”

रिहर्सलक समयमे रामायण तिवारी पूर्ण मैथिलीक छवि- छटामे बाजथि- की भेल ? किएक चिकरैत छी ? मुदा जखन कैमराक सामनेमे जाथि तँ बोलती बन्द ... थरथरा जाथि ... घिग्घी बँधि जाइन्ह । फेर बेर बेर रिहर्सल आरम्भ !, एना जखन तीन बेरि भेलैक तँ रामायण तिवारी अपने कहलथिन्ह ... हमसे नहीं होगी । मुझे माफ कर दें।फणिमजुमदारकें रंज भ ' गेलनि- पद्मादेवी, दुलारी बाइ बोल सकती है, आप बिहार के हैं, आप क्यों नहीं मैथिली बोल सकते हैं ?” रामायण तिवारी साफ कहि देलथनि " बिहार का हूँ इसलिए मैथिली शुद्ध-शुद्ध बोल नहीं पाता हूँ।"

तकर बाद लोकक नजरि चन्द्रनाथ मिश्र अमरपर गेलैक । फणिमजुमदार आ सर्वोपरि रामायण तिवारी अमर जी सं लालकक्काक भूमिका करबाक लॆल अनुरोध केयलनि आ ई भूमिका अमर जीकें भॆंट गेलनि।

No comments:

Post a Comment