Saturday, September 29, 2012

Roopak Sharar : A Versatile Actor and Writer



मूल रुप सं झंझारपुर, मधुबनीके रहनिहार रूपक शरर बहुमुखी प्रतिभाके  धनी कलाकार छथि। गाममें नाटक खेलबा सं लs  कs मुम्बई धरि हिनकर अभिनयक यात्रा एकदम फ़राक अछि। मुजफ़्फ़रपुर दूरदर्शन सं “ कम्पेयरिंगमें शुरुआत केलाक बाद रूपक जी जमशेदपुर इप्टामें सक्रिय भेलैथ। राष्ट्रीय नाट्य विद्यालय (NSD), दिल्लीमें दाखिला  नज्ञि भेलैन तs 2001में मंडी (हिमाचल प्रदेश) ड्रामा स्कूल चलि गेलाह । ड्रामा स्कूल सं एलाक बाद दिल्लीमें “अंगना थियेटर” ग्रुपसं जुड़ि  बर्खक बाद दिल्लीमें मैथिली नाटकक शुरुआत कएलनि । श्री चंदन झा द्वारा निर्देशित नाटक “ जम्मपुत्र”में मुख्य भूमिका निभा अलग अलग जागह पर खूब प्रशंसा पओलनि। एहि बीच मैथिली ऑर्केस्ट्रामें सक्रिय रहि लगभग सभ ग्रुप आ कलाकार संगे उदघोषकके भूमिका निभौलनि। मैथिली आ भोजपुरीमें अभिनय कएल हिनकर कयकटा अलबम बाजारमें उपलब्ध अछि, जाहिमें आमोद झाक “उगना रे मोर” आ रामबाबू झाक “ पैजनिया” प्रमुख अछि।
दिल्ली सं मुम्बई पहुंचला पर बहुतेक रास हिन्दी आ भोजपुरी धारावाहिकमें अभिनय केलाह जाहिमें “क्राईम पेट्रोल” , “सीआईडी”, “सावधान इंडिया” ,वारिस”, ”काजल”, “कुमकुम”,’आपबीती’ , ‘जिन्दगी के रंग” आदि प्रमुख अछि। श्री राकेश सिन्हा द्वारा निर्मित आ निर्देशित धारावाहिक “ सजनवा बैरी हो गईले हमार”में “अमर”के भूमिका आ “स से सरसsती”में पोस्टमेन मोहनलालक भूमिकामें खूब प्रशंसा पओलनि।

कलर्स चैनल पर आबि चुकल धारावहिक “माटी की बन्नो” आ महुआ पर “स से सरसsती”में रूपक जी ऎशोसियएट क्रियेटिव हेड सेहो छलाह। हिनकर लिखल कतेक रास कविता- कहानी अलग अलग पत्रिकामें प्रकाशित भ चुकल अछि। दूरदर्शन वास्ते “संकट मोचन हनुमान” आ “कभी तो मिल के सब बोलो” धारावाहिक सेहो लिख चुकल छथि। सम्प्रति एकटा मैथिली फ़िल्मक कथा-पटकथा सेहो तैयार केलाह अछि आओर दूरदर्शन पर आबS वला धारावाहिक “ दो लब्जों की दिल की कहानी” लिखबा में व्यस्त छथि।

उम्मेद अछि बहुत जल्दी रूपक जी एकटा मैथिली फ़िल्ममें दमदार भूमिकामें सेहो देखेताह। बहुमुखी प्रतिभाके धनी रूपक जीके बहुतेक रास शुभकामना !

6 comments: