Friday, November 2, 2012

Prem Nath Jha: A Verstile Actor in Hindi Films and Serials



ई छैथ उदीयमान अभिनेता प्रेम नाथ झा। गाढा टोल, झंझारपुर के रहनिहार प्रेम जी बहुत नीक अभिनेता छथि। मंडी ड्रामा स्कूल (हिमाचल प्रदेश) सं अभिनयमें सुप्रशिक्षित प्रेम जी हिन्दी फ़िल्म "लव , सेक्स और धोखा", चर्चित सीरियल "लापतागंज" आदि में नीक अभिनय केने छलैथ। लंदन फ़िल्म फ़ेस्टिवल के लेल बनल फ़िल्म " कड़वी बातें-सुगर कोटेड"में एकटा अहम किरदारक भूमिका छैन प्रेम जीक। आबय बला फ़िल्म " द किस"में प्रेम जी अभिनय कें अलावा सहायक निर्देशक कें भूमिका सेहो निभा रहल छैथ । प्रेम जी संगीतमें सेहो स्नातक छथि । "की बोर्ड" आ बांसुरी खूब सुन्दर बजबै छैथ । सौभाग्य सं भगवती हिनका खूब सुन्दर आवाज सेहो देने छथिन । दिल्ली स्थित श्रीराम सेन्टर आ राष्ट्रीय नाट्य विद्यालय (NSD)के रंगमंडल(repertory) में सेहो छलाह। संक्षिप्तत: प्रेम जी एकटा हरफ़नमौला कलाकार छैथ।

No comments:

Post a Comment