Wednesday, December 12, 2012

Abhinav Jha: An Emerging Young Maithil Filmmaker

उभरैत युवा निर्देशक अभिनव झाक अभिनव प्रयास- "एक्सपायर्ड ब्यॉज"(लघु फ़िल्म)


विगत किछु वर्षमें मिथिलाक कोईखसं प्रतिभावान कलाकार आर फ़िल्मकारक उदभव भेल अछि ,जिनकामें जोश, तकनीकी ज्ञानक संग संग अपन मातृभूमि मिथिलाके लेल किछु उललेखनीय कार्य करयके आकांक्षा रखैत छैथ। एहन प्रतिभासपन्न आर जोषियायल मैथिल छैथ अभिनव झा।
मूलरुपसं दरभंगा जिलाक कबिलपुरक रहनिहार अभिनव झा स्वतंत्र फ़िल्मकार छैथ जे सतत अपन प्रतिभाके बेसी सं बेसी चमकाबय के अतिरिक्त, फ़िल्ममेकरक सब गुण ग्राह्य करबामें लागल रहैत छैथ। एक्स्ट्रीम्ज पिक्चर प्राइवेट लि. फ़ीचर्स बैनरके अधीन हिनकर निर्द्शनमें बनल एकटा शॉर्ट फ़िल्म आबि रहल अछि- “एक्स्पायर्ड ब्वायज” (हिन्दी) जेकि तीन दोस्त शिवा, विजय एवं मनीषक जीनगीक दुखद कहानी कहि रहल अछि। ई तीनू दोस्त अपन गाम-घर आर माय-बाबूजीके छोड़िकय पढाई- लिखाईमें लागल रहैत अछि मुदा किछु कुसंगतिमें पड़िकए अपराध, ड्रग्स तथा आर किछु गलत काजमें लिप्त भए जायत छैथ । परिणामस्वरुप, हिनका तीनूके अपन गलत काजक परिणाम भोग पड़ैैन। गलतीक भान भेला पर मात्र पश्चाताप करैत रहैत जायत छैथ। नीक कथा-वस्तु पर नीक फ़िल्मायल फ़िल्म छी। ई फ़िल्म हिनकर पहिल प्रयास ैन। फ़िल्मक कलाकारमें धीरज पाण्डेय, उज्जवल शंकर, चंदन चौधरी , जीशान खान आदि छैथ। फ़िल्मक सफ़लताक संग संग नवोदित कलाकार आर युवा निर्देशक अभिनव झाके बहुत रास शुभकामना !!
 

No comments:

Post a Comment