Thursday, January 24, 2013

Maithili Films- "Ghogh Men Chand", "Ghatkaiti" & "Sanskar"

नव वर्ष केर आगमनक पश्चात मैथिली सिनेमाक डेग सेहो बढय लागल अछि। मैथिली सिने प्रेमी लेल बड्ड हर्षक बात अछि  अगिला दू-तीन माहमें दू-तीनटा मैथिली फ़िल्मक शूटिंग होमय जा रहल अछि। ई फ़िल्म अछि "घोघमें चांद", घटकैती" आर ' संस्कार"।


मैथिली फ़िल्म " घटकैती" केर शूटिंग अगिला माहसं प्रारंभ होमय जा रहल अछि। उदय बाबू देव प्रोडक्शनक बैनरके अधीन बनय बला फ़िल्म 'घटकैती"क निर्देशक छैथ अभिजीत सिंह जेकि पूर्व में मैथिलीक एकटा आर नीक फ़िल्म ' दुलरुआ बाबू'क निर्देशन कय चुकल छैथ। सुभाष झा  फ़िल्मक कथा, पटकथा आर संवाद लिखने छैथ। गीतकार अभिराज झाक लिखल गीतके सुमधुर संगीत सं सजौता प्रख्यात गायक, संगीतकार ज्ञानेश्वर दूबे। फ़िल्मक प्रोड्यूसर छथिन प्रीती झा। मुख्य अभिनेतामें सुपर हिट फ़िल्म " ससता जिनगी महग सेनुर"क नायक ललितेश झा जी छैथ आ अन्य कलाकारक चयन कयल जा रहल अछि। प्राप्त जनतवक अनुसार एहि फ़िल्मक शूटिंग अगिला माह सं दरभंगा, मधुबनी, मधेपुरा ,जयनगर में  प्रारंभ हायत। शेष शूटिंग मुम्बईमें सम्पन्न हायत।

मैथिलीक एकटा आर फ़िल्म "संस्कार"क सभटा गीतक रिकार्डिँग मुम्बईक स्वरलता स्टूडियोमें संपन्न भऽ गेल अछि। सुशील झा फिल्मस बैनरक अंर्तगत बनय वला  फिल्मक निर्माता आ निर्देशक छैथ अनिल कुमार झा । उदित नारायण झा, मजीरा गांगुली, ज्ञानेश्वर दुबे आ पामेला जैन आदि गीतक बोलके अपन मधुर आवाज देने छैथ। फ़िल्म केर संगीतकार श्री शुक्ला छैथ। ज्ञानेश्वर दूबे एहि फ़िल्ममें दूटा गीत गेने छैथ। अहु फ़िल्मक शूटिंग मार्चसं प्रारंभ होयत।

मैथिलीक निर्माणाधीन फ़िल्म " घोघ में चांद"केर गीतक रिकॉर्डिंग सेहो सम्पन्न भ गेल अछि।गीतक रिकॉर्डिंग कबीर स्टूडियो तथा नीलम स्टूडियो में भेल। सुगना आर्ट्सक बैनरक अधीन बनय बला एहि फ़िल्मक निर्देशक छैथ उदय राज । फ़िल्मक गीतकार छैथ संजय चौधरी, कुमार शैलेन्द्र, ब्रह्मदेव लाल आ ज्ञानबर्धन कर्ण। संगीत दय रहल छैथ पवन नारायण। पवन नारायण,कल्पना मिश्रा, गीतिका असवाल, राधा पाण्डेय केर मधुर आवाजमें सभटा गीत कर्णप्रिय अछि। रुपक शरर, मीना, शुभनारायण झा, कल्पना मिश्रा, दिनेश मिश्रा, बीट्टू, मुकेश आदिक अभिनय देखय बला हायत।-BHASKAR JHA

4 comments:

  1. ham software engineer chi hamaro sok achi..

    ReplyDelete
  2. badd nik lagait achhi suni ke muda ahan sb tata sky pr dekhewak prayas seho karu..jahi se besi se besi lok labhanwit hoi...

    ASHESH SHUBHKAMNA..

    ReplyDelete
  3. Ati uttam prayas mithila me ta kalakar lokian ke kami nahi ai6 muda hum chahab je humra ek ber mouka del jao ta hum siddh ka saki je humhu kala me ruchi me rakhai chhi a gramin star par kateko puraskar prapt kene chhi.sange natak ker nirdesan seho kene chhi vises Harimohan Jha dwara likhit sajhi Ashram katha ke Natya rupantarit ka Nirdeshan ewam Bhagirath Jha ke bhumika seho nibhene chhi.
    Ashha ai6 humra awsar jaru bhetat. kripya suchit karab Email Id ai6 vijaychaudhary00gmail.com

    ReplyDelete