Thursday, September 22, 2011

मैथिली गीत गगन'क चमकैत नक्षत्र : रंजना झा (Singer Ranjana Jha)


मूलतः अररिया जिला'क देवीगंज मे जन्म लेनिहारि रंजना'क ससुर थिकैंह-सहरसा जिलाक लगमा आ ओ रहैत छथि पटना मे....संगीत'क प्रारंभिक शिक्षा हिनका अपन संगीतज्ञ पिता भगवत मिश्र वियोगी सँ भेटलनि आ बाद मे पंचगच्छिया घराना'क योगेन्द्र भारती, उपेन्द्र यादव आदि सँ संगीत सीखि ई गायन लेल मंचस्थ भेलीह....ग़ज़ल आ विद्यापति गीत कें गयबाक हिनक विशिष्ट अंदाज़ छनि आ यैह कारण सँ विद्यापति गीत'क हिनक अल्बम "चानन" बाज़ार मे खूब जमलनि आ नव कीर्तिमान गढ़ालकनि....मैथिली फीचर फिल्म "एक चुटकी सेनुर" आ मिथिला दर्शन प्रस्तुत अल्बम "किये रही छी दूर-दूर" मे सेहो हिनक विशिष्ट गायकीक जादू देखल जा सकैत अछि ...विभिन्न ठाम आयोजित विद्यापति पर्व मे विद्यापति संगीत'क पर्याय बनि गेल रंजना झा कें ई टी वी बिहार दिस सँ सम्मान सेहो भेटल छनि....हमरा सबहक शुभकामना.....

1 comment:

  1. Ranjana ji kae hamra dis saen dher sara badhai........ Ahina Mithilanchal vasi kae manoranjan karavait rahaith........ aa Maithil -Maithili ke sara jag me nam huae.......dhanyvad......

    ReplyDelete