Wednesday, February 8, 2012

मिथिला रत्न हेमकान्त झा / MITHILA RATNA HEMKANT JHA



मैथिली भाषाक चर्चित गायक हेमकान्त जीक जन्म दर्भंगा जिला अन्तर्गत शुभंकरपुर ग्राम में 1949 भेल छल। हिनकर पिताक नाम स्व. सूर्यकान्त झा आर मायक नाम पूनम देवी छलनि। हिनकर बाबूजी अपना समयक नामी अधिवक्ता छलाह । हेमकान्त जी लगभग 6000 सं ज्यादा गीत गेने छथि। हिनकर पहिल कसैट एस एम सीरिज सं निकलल छल जे बाद में नीलम कसैटक नाम सं प्रसिद्ध भेल। कालान्तर में हेमकान्त जी अनेको कम्पनीक लेल गीत गेलनि जेना टी सीरिज, टीप्स,एचएमवी, नीलम। हिनकर पहिल “सनेस” छल। सनेश क्यासेट बजारमे एलाकबाद मैथिली संगीतक दुनियामे तहलका मचौने छल । दुर्भाग्यवश, हेमकान्त झाकें दरभंगामे निधन भय गेल । हुनका ब्रेनहेम्ब्रेज भेल छल ।
  
५० वर्षीय गायक हेमकान्त मैथिली संगीत क्षेत्रक चर्चित नाम रहथि । मामा यौ कनि खैनी दिय सन चर्चित गीतक ओ गायक रहथि । हुनक सनेश , हिमरेखा, भौजी, चल मिथिलामे चल, सौगात, कखन हरब दुखमोर, ममतासन दर्जन सँ बेसी एलबम निकलल अछि ।

मिथिलाञ्चलक कोनो एहन मञ्च नहि छल जाहिमे ओ आमन्त्रित नहि होइत छलाह । हुनक निधनकँे बाद सम्पूर्ण मिथिलाञ्चलमे शोक व्यक्त कएल जा रहल अछि । हेमकाण्त झाकेँ निधनसँ मैथिली आन्दोलनकेँ बडका क्षति भअ गेल। हेमकान्तकेँ आधुनिक मैथिली गीतकेँ  जनजनमे पहुँचाबयबला व्यक्तिकँे रुपमे जानल जाइत अछि। हेमकान्तक निधन सँ गीत संगीत क्षेत्रके बडका धक्का लागल । 
 ‘एतेक बडका स्टार भेलाक बादो हुनकामे कनिको अहम नहि छल
 कहल जायत छै कि रबीन्द्र महेन्द्र मैथिली गीत संगीतकें गाम गाममे पहुचौलथि तऽ हेमकान्त बजार विस्तार कएलन्हि

10 comments:

  1. waqia prasansniya chait, lekin dukh aich je apna sab ke sath nahi chait

    ReplyDelete
  2. हेमकांत जी कें विनम्र श्रद्धांजलि !

    ReplyDelete
  3. ek ta adbhut ghatna.....kahal jayat achhi je kalakar lokani dahi nahi khaayat chhathi, muda kolkata ke belur me "MITHILA SEVA SAMITI" dwara aayojit vidyapati samaroh me, ee aayal chhalah...aa ee khub dahi khelani, kiyek t kolkata k dahi nami hoit achhi, jakhan hinka s ek gote puchhalkhin je aha dahi khait chhi t ee kahalkhin khai bala chiz chhai t khayab nahi,,,,t o kahlkhin je kalakar k t gala kharab bh jay chhai dahi khela s....t hemkant ji kahlkhin je je gala l k kalakar achhi se n soche....ham sab kichhu kha leb....hamar ek ta apan andaz achi...jahi s ham ek ta safaltam gaayak chhi.....

    Prakash Jha muda hamra sab ke bichhh..nahi chhaith.....se bahut dukhad...hemkant ji j t chhaith hunka s ham kahbain je "EK MISIYA JE MUSKIYA DELIYAI JANI NE KON AHA SAJA DELIYAI.....Lazawab...

    ReplyDelete
  4. I vl miss u sir, I m realy one of yr biggest fan, i cnt 4get u, alwz remember u thru lovely melodious songs such as chandrama utral, ugna re, kakhan harab dukh mor etc. etc...., sad day for me, becz today nly i came to know abt yr death...., RIP.

    Sohan Jha

    ReplyDelete
  5. Last tym I watched him live in Noida in 1998 during Vidyapati samaroh, he ws there wd his wife Ms. Kaur..., along with eminent other maithil singers such as Ram Babu Jha, Suresh Pankaj, etc....

    ReplyDelete
    Replies
    1. I was also there. In that programme raghuvansh prasad Singh aaye the.

      Delete
  6. Bahut Dukhad Ghatna mithilavasi k lel....bhagwati hemkant ji k aatma k shanti daithh

    ReplyDelete
  7. dear friends, i love his voice from my childhood. one day recently when i was listening this sons i thought i must make a video in his tribute.........and i made a beautiful video "Chandrama utral gagan sa"......please watch it.........http://www.youtube.com/watch?v=M2c5Zzu2wxI

    ReplyDelete
  8. hemkant ji mahaan kalakaar chhalaah....o mithila ke gaurav chhala... maa sarswati ke aseem kripa rahain hunka upar....sirf hunkar shareer ehi duniya san gel chhain....par hunkar naam mithilanchal ke itihaas me yug yug taik rahtain....

    ReplyDelete
  9. http://www.youtube.com/watch?v=M2c5Zzu2wxI

    ReplyDelete