Monday, March 18, 2013

Muhurt of Maithili Films "Chhotki Kaniya, Badki Kaniya" & "Chainpurbali"

मैथिली फ़िल्म “ छोटकी कनिया, बड़की कनिया” आ “चैनपुरबाली”क मुहुर्त सम्पन्न भेल
15 मार्च 2013 के 12 बजे दिनमें स्वर्णलता स्टुडियो, अन्धेरी (पश्चिम), मुम्बईमें बाबा का दलान इन्टरटेनमेन्ट केर मैथिली फ़िल्म “ छोटकी कनिया, बड़की कनिया” आ “चैनपुरबाली”क मुहुर्त समारोह आयोजित भेल। एहि दुनु फ़िल्मक निर्देशक छैथ मनोज श्रीपती जी जेकि पूर्वमें मैथिली लघु फ़िल्म” “ रक्ततिलक”क माध्यम सं अन्तर्राष्ट्रीय स्तर पर ख्याति बटोरने छलैथ। दुनू फ़िल्म सर महेन्द्र मलंगिया जीक कथा पर आधारित अछि , मुदा पटाकथाक रुप देने छैथ स्व्यं मनोज श्रीपति। प्रेमसागर सिंह आ सूफ़ी गायक विनोद ग्वार  संयुक्त रुपसं फ़िल्ममें कर्णप्रिय संगीत दय रहल छैथ।
 प्रख्यात नाटककार  महेन्द्र मलंगिया क गरिमापूर्ण उपस्थितिक संग संग  सिनेमा जगतसं जुड़ल समस्त प्रमुख कलाकार उपस्थित छलैथ। अभिनेता पंकज झा, राहुल सिन्हा, राजीव सिंह, राम बहादुर रेनू सहित दुनू फ़िल्मक संपादक विभूति भूषण जी समारोहमें आकर्षणक केन्द्र छलैथ। 
मुहुर्तक संग संग मनोज श्रीपति जी द्वारा निर्देशित भोजपुरी फ़िल्म " कोठा"क स्क्रीनिंग भेल छल जाहिमें फ़िल्मक अभिनेत्री रिंकू घोष, गुंजन पंत आदि समारोहक शोभा बढाबैत रहली।

2 comments:

  1. Bahut Badhiya
    http://www.maithilisongs.in

    ReplyDelete
  2. Bahut Bahut Badhi ... post production ke kono kam hota ta hamro yad karb...

    ReplyDelete