Saturday, October 15, 2011

मैथिली फिल्म क मार्केट सेहो पैघ भ जाएत : राखी


14 अक्‍टूबर कए रिलीज भेल फिल्म सजना क आँगन मे सोलह श्रृंगार दरभंगा मे धूम मचा रहल अछि। मुरलीधरक इ दोसर फिल्‍म पहिल फिल्‍म सस्‍ता जिनगी महग सेनूर जेकां रिकार्ड तोडि सकैत अछि। एहि फिल्‍म कए जोरदार ऑपनिंग भेटल अछि आ पहिले दिन सिनेमा हॉल खचाखच भरल छल। फिल्‍म प्रदर्शन क एहि मौका पर फिल्म क अभिनेत्री राखी त्रिपाठी स इसमाद लेल सुनील कुमार झा आ नीलू कुमारी लंबा चर्च केलथि। प्रस्‍तुत अछि ओकर किछु अंश:-
प्रश्न – अहांक पहिल मैथिली फिल्‍म रिलीज भेल अछि, केहन रहल अनुभव।
उत्तर – बहुत नीक अनुभव रहल आ हम बहुत उत्शुकता पूर्वक एहि मैथिली फिल्म “सजना क आँगन मे सोलह श्रृंगार” रिलीज हेबाक बाट तकैत रही, किया कि इ हमर पहिल मैथिली फिल्म अछि आ एहि फिल्‍म मे हम सब बड मेहनत केने छी। खासकए हमर फिल्म क डाइरेक्टर मुरली जी।
प्रश्न – मुरलीधर जी स कोना भेल भेंट।
उत्तर – फिल्म बुलंद क शूटिंग क दौरान हमरा एकटा सहकर्मी कहला जे हुनकर एकटा मित्र छथि जे मैथिली फिल्म बना रहल छथि आ ओ हीरोइन ताकि रहल छथि, हुनकर माध्‍यम स हम मणि क एहि फिल्म सजना क आँगन मे सोलह श्रृंगार क डाइरेक्टर मुरलीधर जी स भेंट केलहुं।
प्रश्न – सुनल जे अहां कए मैथिली नहि अबैत अछि, कोना संभव भेल संवाद अदायगी।
उत्तर – इ गप सच अछि जे इ फिल्म करबा स पूर्व हमरा मैथिली एकदम नहि अबैत छल, मुदा जखन स हम इ फिल्‍म स जुडलहुं आ इ भाषा क बीच रहलहुं त इ एतबा नीक लागल जे कहि नहि सकैत छी। मुरलीजी त शुरू मे साफ कहि चुकल छलाह जे हमरा एहि फिल्‍म मे अपन आवाज मे संवाद देबाक अछि, ताहि लेल हम मैथिली भाषा सीखब सेहो शुरू करि देने रही। आई हम. अपन यूनिट क सदस्‍यक सहयोग स नीक जेका मैथिली बाजि रहल छी।
प्रश्न – अहां भोजपुरी मे सक्रिय छी, की अंतर अछि दूनू भाषा क फिल्‍म मे।
उत्तर – भोजपुरी फिल्म हमरा नीक प्लेटफोर्म देलक आ हमरा गर्व अछि जे इ हमर भाषा छी, मैथिली फिल्म करि कए हमरा नीक लागल। हम अपना आप कए खुशकिस्मत बुझैत छी जे हमरा मैथिली भाषा मे काज करबाक मौका भेटल जाहि स हम मिथिलाक संस्‍कार आ एहि ठाम क लोक कए चिन्हि सकलहुं। ओना अंतर क गप करि त हम कहब जे कोनो खास अंतर नहि अछि सिवाई भाषा क, दूनू जगह मिटटी स जुडल कहानी पर फिल्‍म बनउल जाइत अछि। फर्क सिर्फ एतबा अछि जे भोजपुरी मे बेसी फिल्म बनैत अछि आ मैथिली मे कम। ओना हम आशा करैत छी जे आब मैथिली मे सेहो बेसी फिल्‍म बनत।
प्रश्न – अहां एखन धरि कोन कोन फिल्‍म केलहुं अछि।
उत्तर – हमर पहिल फिल्म छल “प्यार बिना चैन कहाँ रे” ओकर बाद “आजा ओढ़नियाँ थान के” आ “बुलंदी”। एकर बाद हमर इ मैथिली फिल्म सजना क “आँगन में सोलह श्रृंगार” आयल अछि।
प्रश्न – केना शुरू भेल इ सफर।
उत्तर – हम एम्.ए. भरतनाट्यम क छात्र रही, कॉलेज क समय मे काफी टी.वी. प्रोग्राम केलहु आ ओहि स एकटा सीरियल क ऑफ़र भेटल। ओकर बाद हम मोडलिंग दिस गेलहुं आ फेर फिल्‍म मे आबि गेलहुं।
प्रश्न – भोजपुरी क त बाजार काफी पैघ भ चुकल अछि, मैथिली कए ल कए की सोचैत छी।
उत्तर – के नहि चाहैत अछि जे ओकर अपन भाषा मे फिल्‍म बनए, मिथिला जेकि अपन भाषा, संस्कृति आओर लिटरेट मे एतबा संपन्न अछि कि हम त चाहब जे इ हर क्षेत्र मे आओर आगू बढए, फिल्‍म मामला मे सेहो, मुदा इ सिनेमा मीडियम आइ एकटा बिजनेस बनि चुकल अछि। जखन तक प्रोडूसर जे पैसा लगबैत अछि किछु कमाउत नहि त ओ दोसर फिल्‍म कोना बनाउत। आशा करैत छी जे जखन हमर सबहक इ फिल्‍म सजना क आँगन मे सोलह श्रींगार लोग कए नीक लागत आ लोक दिस स एकरा प्रोत्साहन भेटत त ओ दिन दूर नहि जखन भोजपुरी क भांति मैथिली फिल्म क मार्केट सेहो पैघ भ जाएत।
प्रश्न – एखन अहां कोन कोन प्रोजेक्‍ट मे व्‍यस्‍त छी।
उत्तर – चुन्नू बाबु सिंगापुरी, अचल रहे सुहाग, काली, चालबाज़ चुलबुल पाण्डेय, आओर धूम मचाइलह रजा जी आदि कईटा फिल्म अछि जेकर शूटिंग भ रहल अछि। हम फिलहाल धूम मचाइलह राजा जी क शूटिंग करि रहल छी, जखकि चुन्नू बाबु सिंगापुरी, काली आ चालबाज़ चुलबुल पाण्डेय क काफी हद तक शूटिंग भ चुकल अछि।
प्रश्न – धन्‍यवाद इसमाद स गप करबा लेल।
उत्तर – बहुत बहुत शुक्रिया हमरा इ मौका देबा लेल। हम इसमादक माध्‍यम स दर्शक लोककन स गुज़ारिश करैत छी जे हमर इ फिल्‍म थियेटर मे जा कए देखी। हमरा उम्‍मीद अछि जे इ फिल्‍म अहां सब कए नीक लागत।
साभार : सुनील कुमार झा (इसमाद के लेल )

1 comment:

  1. भाष्कर जी स अनुरोध जे साभार में नाम नै लिखी के इसमाद.कॉम लिखल जाय आ संभव होए त लिंक सेहो देल जाय....से निवेदन

    ReplyDelete