Saturday, July 7, 2012

Acror Rajeev Singh - A Great Villain (of Maithili Films) With a heart of Gold (by Bhaskar Jha)

ई छैथ मैथिली फ़िल्मक सफ़ल खलनायक एवं सह नायक राजीव सिंह जी जे अपन नीक अभिनयक आधार पर समस्त मैथिली फ़िल्म प्रेमी के के हॄदय आर मस्तिष्क पर अपन प्राभावशाली स्थान बनौने छैथ। अपन व्यक्तिगत जिनगी में एकटा सफ़ल आर नीक व्यक्ति राजीव सिंह, दूरदर्शन पर प्रसारित धीरज कुमार द्वारा निर्देशित धार्मिक सीरियल ” ऊं नम: शिवाय” में 52 एपीसोड धरि वरूण देवक भूमिका निभौनिहार राजीव सिंह के प्रतिभा के परिख कए आर हुनक अभिनय प्रतिभा सं प्रभावित भए के मैथिली फ़िल्मक सफ़ल निर्देशक सह अभिनेता श्री मुरलीधर जी अपन निर्देशन में बनय बला फ़िल्म “ ससता जिनगी महग सेनुर” में हुनका मुख्य खलनायक गजराजक भूमिका प्रदान केलनि। ई फ़िल्म मैथिली फ़िल्मके इतिहास में एकटा ब्लॉक बूस्टर फ़िल्म साबित भेल अछि।
राजीव जी अपन दोसर फ़िल्म “ आउ पिया हमर नगरी”में फ़िल्मक मुख्य अभिनेता संजय मिश्राजीक बड़का भायक भूमिका कयलनि। सहनायकक भूमिका में सेहो राजीवजी अपन अमिट छाप छोड़ला। मुरलीधर जी के निर्देशनक दोसर पारी में फ़िल्म “ सजना के अंगना में सोलह सिंग़ार” में राजीव जी फ़िल्मक मुख्य खलनायक मुखिया जीक भूमिका में फ़ेर सं सफ़लता प्राप्त केलनि। स्वर्गीय श्री सुनील दत्त व श्री बालासाहेब ठाकरे जेहन मुम्बई के प्रतष्ठित व्यक्ति के हाथ सअ राजीव जीके नीक अभिनय के लेल पुरूस्कार भेटल छैन । एहन मैथिल कलाकार पर हमरा सबके गर्व अछि।-BHASKAR JHA


5 comments:

  1. यह महज संयोग ही है कि मैथिली की दो प्रमुख फिल्‍मों (ममता गाबै...व सस्‍ता जिनगी...) के खलनायक फिल्‍म के नायक से अधिक चर्चित रहे।

    ReplyDelete
  2. Hink abhinay ke jatek barai kail jai otek kam.....hink abhinay e jemhar chalta hawa k disha omhre mooir jaait......har har mahadev

    ReplyDelete