First Portal of Maithili Films, Artists, Songs, Music, Theater and Entertainment
मैथिली फ़िल्म, कलाकार, गीत- संगीत, रंगमंच आ मनोरंजनक पहिल मैथिली पोर्टल
Manjeet Gupta: One of the Active actors in Films & Serials
आई काईल्ह मिथिलाक सपूत मंजीत कुमार गुप्ताक जलवा टीवी सीरियल में खूब चलि रहल अछि। डीडी पर प्रसारित हॊबय बला धारावाहिक ' संकोटमोचन हनुमान' में नारदक भूमिका कय रहल छैथ , संगहि प्रति शनि आ रवि के प्रसारित होबय बला सीरियल "अदालत" के करीब हर एपिसोड में कोनो ने कोनो भूमिका में रहि रहल छैथ।
दिल्ली के अस्मिता थियेटर ग्रुप सं जुड़ल आमूल रुप सं राजनगर के रहनिहार मंजीत जी मैथिली फ़िल्म " दुलरुआ बाबू' में मिस्टर बॉड्क भूमिका केने रहैत । हिनकर एकटा आर मैथिली फ़िल्म" काजर" अछि जकर निर्देशन सागर राय केने रहैत। मनजीत जी अभिनित किछु हिन्दी फ़िल्म अछि-' होम डॆलिवरी', "ट्रैफ़िक सिग्नल", 'आगे से राईट', 'मुम्बइ कटिंग', हॉस्टल","तुम मिलो तो सही" आदि। हिनकर आब फ़िल्म छैन- गुलशन ग्रोबरक "मार्तंग मामा" आ "धुआं" । सीरियलमें "सीआईडी", "सावधान ईंडिया","बालिका बधु',' अल्लादीन' आदि किछु चर्चित नाम अछि।
No comments:
Post a Comment