ई छैथ अभिनेता गगन गुप्ता, मशहूर टीवी अभिनेत्री उल्का गुप्ता (झांसी की रानी) क पिता। हिन्दी सिनेमा में संघर्ष करैत कयकटा फ़िल्म केने छैथ। मूलरुप सं मिथिलाके सहरसाक रहनिहार गगन जी पहिल बेर 1988 में प्रसारित चर्चित सीरियल “बिक्रम और बेताल’में एकटा सिपाही के भूमिका केने छलैथ। हिनकर भूमिका एकटा आर सीरियल में छलैन, जकर नाम छल “ ब्योमकेश बख्शी” (1997)जाहिमें गगन जी नन्दलाल घोषक भूमिका निभौने छलाह। सीरियल के संग संग कतेक रशे फ़िल्म में अभिनय के केलाह। हिनकर किछु हिन्दी फ़िल्म छैन- “जायदाद”, “राजू बन गया जेन्टलमेन”, “दीदार”, ‘चाहत”, “गॉडमदर”, “चलते चलते”, “फ़रेब”, “तथास्तु”, “एक चालिस की लोकल ट्रेन” आदि।- Bhaskar Jha

No comments:
Post a Comment