Thursday, August 2, 2012

Neetu Singh : A Cute Diva among Maithil Actresses


मैथिल अभिनेत्रीमें नीतू जीक एकटा अपन नाम थीक। मूलत: बेगुसराय के रहयबाली नीतू जी संजय मिश्रा आर संजय झा अभिनीत मैथिली फ़िल्म “दुलरुआ बाबू” में मुख्य अभिनेत्रीक नीक भूमिका सं दर्शक के बड्ड प्रभावित केने छलीह। जीटीवी पर प्रसारित चर्चित सीरियल “ आपकी अंतरा” में एक्टिंग सं नीतू जीक अभिनय कैरियरक शुरुआत भेल छल। नीतू जीक दोसर सिरीयल छल स्टार वन पर प्रसारित “ये इश्क है” । संगहि, अंगिकाक पहिल फ़िल्म “खगड़िया बाली भौजी” (2007) में सेहो मुख्य अभिनेत्री छलीह मुदा अहि फ़िल्म सं हुनकर सफ़लता आ लोकप्रियता पर पर कोनो नीक प्रभाव नहिं पड़ल छल।
हिमाचलक मंडी केर Himachal Cultural Research Centre and Drama Academy सं अभिनयमें प्रशिक्षण प्राप्त नीतू जी बहुत रासे विज्ञापन केने छथि। रसनाक विज्ञापन के लेल क्रिकेटर विरेन्द्र सहवाग के संग काज केने छलीह।  नीतू जीक एकटा हरियाणवी फ़िल्म ”तेरा मेरा वादा’  बहुत जल्दिये रिलीज होबय बला अछि जाहिमें वो मुख्य अभिनेत्रीक किरदार निभौने छि। संगहि पंजाबी फ़िल्म सेहो कय रहल छैथ। An excerpt from a Conversation between actress Neetu Singh & Bhaskar Jha

An excerpt from a Conversation between actress Neetu Singh & Bhaskar Jha

No comments:

Post a Comment