Saturday, October 6, 2012

Actor Lalan Singh : A Seasoned Man of Acting



ललन (प्रसाद) सिंह  एकटा एहन कलाकारक नाम छी जे अपन नामसं कम मुदा अपन अभिनय आ किरदार सं बेसी जानल जायत छैथ। मैथिलीक बहुचर्चित फ़िल्म “ससता जिनगी महग सेनुर”क “पंडितबा”के के बिसरि सकैत अछि ? एहि फ़िल्ममें हिनका द्वारा बाजल गेल चर्चित आ बहुप्रयुक्त संवाद “ भगवती रक्षा करैथ’के लोक एखनो इयाद आ बात बातमें प्रयोग करैत छैथ । 
ललन सिंह मूल रुपसं जनक जानकीक भूमि सीतामढीके डुमरी कलन के रहनिहार छथि । हिनका अभिनयक शौक नैन्हपनिसंहि रहनि आ गाम-घरमें नाटक करैत रहैत छलैथि। लल्लनजी काजक खोजमें मुम्बई चलि येलाह। आगमन तिथि हिनका एखनो मोन छनि- 13 सितम्बर 1979 । ताकैत ताकैत हिनका एकटा प्रोडक्शनमें काज भेटलनि आ काज करय लगलाह। ललन जीके स्टूडियो चलेबाक सेहो अनुभव प्राप्त छनि। मुदा एहि काज सबस हुनक मानसिक संतुष्टि नहिं भेटैत छलैन। बस फ़िल्ममें काज करयके लेल एड़ी चोटी एक करय लगलाह। संयोगवश 1984में एकटा हिन्दी फ़िल्म भेट गेलनि आनि फ़िल्मी ब्रेक। हिनकर पहिल फ़िल्म छल प्रसिद्ध चरित्र अभिनेता अमजद खान  द्वारा निर्देशित आ अमिताभ बच्चन , जीनत अमान आदि अभिनित हिन्दी फ़िल्म “अमीर आदमी गरीब आदमी’ (1985)। ललन सिंह जी के. बप्पैयाके निर्देशनमें बहुत रासे हिन्दी फ़िल्ममें अभिनय केने छथि। नंदिता दास अभिनित फ़िल्म “लाल सलाम’(2002)में सेहो नीक भूमिका केने छलथि।
ललन सिंह जी हिन्दी फ़िलमके अलावे बहुत रसे भोजपुरी ओ मैथिली फ़िल्म केने छथि। प्रकाश झाक चर्चित सीरियल ”बाहुबली” में नेताक भूमिका केने रहथि। भोजपुरी फ़िल्ममें ” हे तुलसी मैया”, “धरती पुत्र” “निरहुआ मेल” आदि किछु चर्चित नाम अछि। हिनक पहिल भोजपुरी फ़िल्म ” हे तुलसी मैया आ टटका फ़िल्म अछि “निरहुआ मेल”।
हिनका अप्पन मैथिल समाजमें जे फ़िल्म हिनका घरे घर चर्चित बने रहय, वो मैथिली फ़िल्म छल मुरलीधर द्वारा निर्देशित“ ससता जिनगी महग सेनुर’ जाहिमें हिनक भूमिका बड्ड दमदार छल। पूछला पर हर्खक संग बतौलनि कि अपन सब फ़िल्ममें “ ससता जिनगी महग सेनुर’ हमरा बड्ड नीक लगैया आ एहि फ़िल्ममें अप्पन भूमिकासं बड्ड संतुष्ट छी। “आऊ पिया हमर नगरी” आ “सजना के अंगना में सोलह सिंगार”में सेहो बड्ड नीक अभिनय केने छलथि। मैथिली फ़िल्ममें लाबयके श्रेय ललन जी अपन मित्र मुरलीधर जीके दैत छथि। - BHASKAR JHA
 

No comments:

Post a Comment