Wednesday, October 31, 2012

Utpal Jha: A Great Signature on Maithili Theatre & Films (Maithili)


उत्पल झा मैथिली रंगमंचक सशक्त हस्ताक्षर छैथ । मूलत: सहरसा के रहयबला उत्पल जी अभिनय , निर्देशन, लेखन आदिमें समान रुप सं दक्ष छैथ।  अपन शैक्षणिक योग्यता बिहारसं प्राप्त केलाके बाद नैन्हपनहि सं रंगमंच, साहित्य आ संगीत के शैकिन उत्पल जी नाट्य कला में प्रशिक्षण प्राप्त करयके लेल इच्छुक छ्लैथ । पहिने उत्पल जी भारतेन्दु नाट्य अकादमी, लखनऊ गेल छलैथ आ ओहि ठाम सं केलैथ नाट्य कलामें दू बर्खक पूर्णकालिक प्रशिक्षण प्राप्त । 2001में भारतेन्दु नाट्य अकादमी, लखनऊ सं प्रशिक्षणके उपरान्त उत्पल जी दिल्ली आबिकए ख्यातिप्राप्त थियेटर आ फ़िल्म निर्देशकके संग बहुत रासे काज करय लगलाह। एहि क्रम में  हुनकर मनमें डिजायन आ निर्देशनमें सेहो विशिष्टता प्राप्त करयके इच्छा भेलनि आ 2002में दिल्ली स्थित राष्ट्रीय नाट्य विद्यालय (NSD) में दाखिला लय लेलैथ। 2005में NSD पास केलाके बाद उत्पल जी नियमित रुप सं थियेटर कय रहल छैथ आ संगहि मीडिया सं सेहो जुड़ल छैथ।

उत्पल जी विभिन्न भाषाक 35 सं बेसी नाटक के सफ़ल निर्देशन केने छैथ जाहिमें “ द जू स्टॉरी”, ”मेकबेथ”, “मिड समर् नाइटस ड्रीम”, “पांच पत्र”, “पॉल गोमरा का स्कूटर” आदि किछु महत्वपूर्ण नाम अछि। देशके विभिन्न स्थान पर  42 सं बेसी धरि रंगमंच कर्मशाला संचालन केने छैथ । डिजायन आ निर्देशन के अतिरिक, उत्पल जी कयकटा राष्ट्रीय आ अन्तरार्ष्ट्रीय थियेटर  आ समकालीन डान्स फ़ेस्टिवल के लेल तकनीकी निर्देशक के रुप में काज कय रहल छैथ। संगहि, NSD, दिल्ली, BNA, लखनऊ, HRFTR, मंडी, NSD, सिक्किम, ,SRC, नई दिल्ली आदि जेहन बहुत रासे नाट्य विद्यालय आ फ़िल्म संस्थानमें डिजायन आ अभिनय अनुदेशकक भूमिका निभा रहल छैथ।

उत्पल जी एकटा उदीयमान अभिनेता सेहो छैथ आ बहुत रासे सीरियल, लघु फ़िल्म, एड फ़िल्म, कॉरपोरेट फ़िल्म आदि में अभिनय आ  निर्देशन केने छैथ। मैथिलीक पहिल सीरियल “नैन न तिरपित भेल” में उत्पल जीक अभिनय प्रशंसनीय छल। 2012में मैथिली नाटकके सफ़ल निर्देशनक लेल उत्पल जीके मैथिल विभूति सं सम्मानित कायल गेल अछि। सम्प्रति, उत्पल जी कयकटा सरकारी संस्थान, NGO फ़िल्म कम्पनी आ संगठन सं जुड़ल छैथ आ  डिजायनर, निर्देशक, फ़िल्म निर्माता, इवेन्ट डिजायनर आ थियेटर अनुदेशकके रुप में काज कय रहल छैथ ।


1 comment:

  1. ANHAR GHAR ME IJOTAK DARSHAN BHEL....DHANYAWAD....AHINA AAGU BADHU AA SAFAL HOU...SHUBHKAMNA

    ReplyDelete