Friday, December 7, 2012

Audition For Maithili Telefilms


मैथिली टेलीफिल्मके लेल साक्षात्कार

मैथिलीके आम जनता तक पहुंचाबय आ ओकरा समृद्ध बनाबयके उद्देश्य सं डीडी वन पर प्रसारित होमय वला मैथिली टेलीफिल्मके लेल बुधवारके कलाकारक साक्षात्कार लेल गेल ।

मिथिलाक महत्वपूण अंग सहरसाक प्रताप चौक स्थित स्वाति फॉउडेंशनक परिसरमें मिथिला दर्शन मीडिया प्राइवेट लिमीटेडके बैनर अधीन बनय बला तीनटा लघु फिल्मके लेल सहरसा, सुपौल आ मधेपुरा के कलाकार आ रंगकर्मी एहि साक्षात्कारमें भाग लेयलथि।

कलाकारक साक्षात्कार लेबय लेल आयल मिथिला दर्शन मीडियाक वाणिज्य प्रबंधक संजीव पांडेय आ चंदन कुमार झा जनतब देलनि जे मिथिलांचल क्षेत्रक सभटा जिलामे कलाकारक ऑडिशनके बाद दूरदर्शनके लेल पहिल लघु फिल्म " पैठ" जकर कथाकार कुमार पवन, दोसर लघु फिल्म " टोपरी", जकर कथाकार शैलेंद्र आनंद छैथ।

तेसर लघु फिल्म "फोकटिया"क कथाकार अमरनाथ छैथ। एहि तीनों फिल्मक कथा एवं पटकथा मैथिली रंगमंचके प्रसिद्ध निर्देशक कुणाल द्वारा कयल गेल अछि जकर निर्देशनो कुणालजी द्वारा कयल जायत ।

एहि अवसर पर पंचकोसीक रंगकर्मी व नाट्य निर्देशक अमित कुमार जय जय, रूपम श्री, इप्टाके वरिष्ठ रंगकर्मी व निर्देशक राजन कुमार द्वारा साक्षात्कारके सफल बनाबयमें सराहनीय योगदान देल देल गेल

No comments:

Post a Comment