Saturday, September 28, 2013

Nand Jee : Singing Star of Maithili Music World


        मैथिली गीत गगन'क प्रसिद्ध स्वर : नंद जी

मूलतः सहरसा जिला चर्चित गाम बनगाँव'क रहनिहार  नंदशंकर झा तकरीबन  चारि दशक सं मैथिली'क राष्ट्रीय-अंतरराष्ट्रीय मंच पर प्रतिनिधि स्वर केर रूपमें जानल जाइत छथि कहियो मैथिली मंच'क चर्चित जोड़ी नवल-नंद'क शब्द नवलजी रहैत छलाह त' सुर नंदजी आ जोड़ी परम्परा'क अवसान'क बाद आइ धरि ओ नंदजी नाम सं मैथिली मंचक चर्चित गायक बनल छथि। ताम-झाम सं अपना कें सतत  दूर राखय वला नंदजी मैथिली साहित्य आ संगीत दूनू विषय में स्नातकोत्तर छथि ! भारत आ नेपाल'क क़रीब 2000 सं बैसी मंच पर उपस्थिति दर्ज करौनिहार नंदजी व्यथित होइत कहैत छथि जे मिथिलाक लॉक अपन गायक कें मान-सम्मान नहिं दैत छथि आ तें आब मंच सं मौन उचेट गेल अछि..तथापि कार्यक्रम में जाइत छीं ! हिनकर "अमोल" नामक कैसेट आ तकर गीत सभ 1.जतय गुदरी पहिरि सिया आँगन निपय....2.भइया सामा फोड़े लेल जरूर आबिह.......3.दिल्ली के देखिके दिमाग भेल होल गे....4.छोट-छोट रोड़ी गदैय'.... बहुत प्रसिद्ध भेल चल
    
मैथिली फ़िल्म "हमर मिथिला" में पूनम मिश्रा संग हिनक गायन चर्चित रहल । गोस्वामी लक्ष्मीनाथ भजन केर कैसेट कें अपार ख्याति भेतलनि ! सम्प्रति मैथिली गीत-गायन केर नाव नाव प्रयोग में लागल रहैत छथि ।- किसलय कृष्ण



No comments:

Post a Comment