Wednesday, February 25, 2015

Nisha Jha: Advent of A New Maithil Actress




मैथिली सिनेमाके एकटा आऒर अपन अभिनेत्री भेट गेल अछि। एहि नवोदित अभिनेत्रीक नाम छी- निशा झा ! निशा झा प्रसिद्ध अभिनेत्री सुधा झाक सुपुत्री छैथ। चन्दन मिश्रा आ ऋषि वशिष्ठ द्वारा निर्देशित सीरियल " गंगा प्रेमक डोर"सं अपन अभिनय यात्रा प्रारंभ केनिहार निशा झा मैथिल चचित फ़िल्म " हाफ़ मर्डर" , " दीवाना अहांके प्यार मे" आ " जान"(लीड रोल) मे अभिनय केलनि अछि आ कय रहल छैथ।

मैथिलियेटा नहिं, निशा झा भोजपुरी फ़िल्म सेहो क' रहली अछि। निशा झा द्वारा अभिनित  भोजपुरी फ़िल्मक नाम अछि- लूट।  अप्रैल 2015मे प्रदर्शित होमय बला फ़िल्म "कोशी के लाल", "विधाता" मे सेहो नीक अभिनय केलनि अछि। वर्तमान मे निशा झा निर्माणाधीन मैथिली फ़िल्म " हे भगवान" आ " हमर सजना" काज करय लेल तैयार भ गेल छैथ। एहिके अतिरिक्त, हिनकर हाथ मे तीन गोट नबका प्रोजेक्ट सेहो अछि जाहि पर बातचीत चलि रहल अछि।


पेंटिग, नृत्य आ अभिनयक शौख रखनिहार निशा झा नेशनल ज्योग्रफ़ीक लेल सेहो एकटा छोट छीन फ़िल्म केने छैथ।

मिथिला आ मैथिली सिनेमा दिस सं निशा झाकें बधाई ओ हार्दिक शुभकामना !


3 comments:

  1. Mujhe khuch help chaiye aapse regarding work kya mai aapse baat kar sakta hu pl reply

    ReplyDelete
  2. This comment has been removed by the author.

    ReplyDelete
  3. how to enter in actind . plz tell me soon , batau kona ke film me kaam karu aa taka dhau kamau mithilak vikas vaste 09929895334

    ReplyDelete