Monday, March 30, 2015

Shubham Jha: A Popular Maithil Child Actor in Tinsel World


ई छैथ बाल अभिनेता शुभम झा (जन्म तिथि 3 अगस्त 2004)। मूल रुपसं दरभंगा जिलान्तर्गत बहेरा थानाके रामपुर उदई के रहनिहार शुभम झाक जन्म कोलकातामे भेल मुदा मुम्बई कर्मस्थली छनि। कक्षा 5 केर छात्र शुभम उदीयमान बाल कलाकार छैथ जेकि बहुत रास हिन्दी सीरियलमे अपन अभिनय प्रतिभाक उत्कृष्ट प्रदर्शन कएने छैथ आ क’ रहल छैथ।


लगभग पांच वर्षक आयुसं फ़िल्म उद्योगमे  अभिनयरत छैथ। ‘पापा’ नामसं निर्मित टेलीफ़िल्म हुनक पहिल फ़िल्म अछि। टाटा कैपिटल होम लोन, महिन्द्रा मैक्सिमम प्लस, फ़्लिपकार्ट, हैल्थ ग्रोईंग विटामिन टैंग आदि सहित बहुत रास विज्ञापनमे सेहो काज कएने छैथ। ‘सावधान इन्डिया’, ‘क्राइम पेट्रोल’ आदिमे कएक बेर भूमिका करयबाला शुभम केर लोकप्रिय सीरियलमे “कजरी” (2012 मे कलर्स पर प्रसारित),  “ दिल एक जान” (2013मे लाइफ़ ओके पर) आदि अछि, मुदा कलर्स पर नियमित रुपे प्रसारित “ बालिक बधु”सं शुभमकें बेसी लोकप्रियता भेटलनि।



आब देखबाक अछि जे प्रतिभासम्पन्न बाल कलाकार शुभम झा मैथिली फ़िल्ममे कहिया देखाइ देता! मैथिली सिनेमा दिस सं शुभम झाकें हार्दिक शुभकामना !



No comments:

Post a Comment