Tuesday, March 27, 2012

Manoj Jha : A Director With a Maithil Vision

मैथिली फ़िल्म निर्माण के क्षेत्र में दोसर पीढीक सुप्रसिद्ध युवा निर्देशक सब में मनोज झाक अपन नीक स्थान छनि। नवतुरिया कलाकार के फ़िल् में अवसर प्रदान करबाक लेल प्रसिद्ध मनोज जी "गरीबक बेटी" नामक फ़िल्म के निर्माण के संगहि फ़िल्म निर्माण में कदम रखलाह। आर ताबरतोर "चारु धाम", "मायक कर्ज", "सुहागिन", "हमर अप्पन गाम अप्पन लोक" आदिक निर्माण करिकय खूब नाम अर्जित करैत गेलाह। 

समय में मनोज जी "खुरलुच्ची" फ़िल्मक निर्माण में लागल छथि जाहि में शुभ नारायण झा, दिनेश मिश्रा, मिथिलेश चौरसिया आदि नीक कलाकारक धमाचौकड़ी अछि।  विश्वस्त सूत्रक मुताबिक "चारु धाम", 'मायक कर्ज" आ "हमर अप्पन गाम अप्पन लोक" समय पर प्रदर्शित होयबाक लेल तैयार अछि। 

मनोज जी अंगेजी फ़िल्म " ए डांस ऑफ़ रिवेंज " आर हिन्दी फ़िल्म " बुद्धम शरणम गच्छामि" आदिक निर्देशन सेहो केने छथि। मनोज जी द्वारा निर्देशित भोजपुरी फ़िल्म " बिजुलिया भौजी" एखन निर्माणाधीन अछि । अहि फ़िल्मक अलावे, मनोज जी के  कतेक रासे डॉक्यूमेन्टरी फ़िल्म के सफ़ल निर्देशन कारबाक श्रेय भेटल छनि !


2 comments:

  1. जय मिथिला । जय मैथिल ।

    ReplyDelete
  2. Saty Kathan Achhi Bhaiya Ji..
    Or Manoj Bhaiya Ji'k Dher Raas Shubhkamna Hun'k Aabaiy Bala Sukhad Bhavishy Ke Lel.

    ReplyDelete