Saturday, April 7, 2012

Neelesh Deepak: Theatre Personality & Actor


छथि नीलेश दीपक...सौभाग्य मिथिला टीवी'क चर्चित धारावाहिक "जंगला-मंगला"क मुख्य अभिनेता मूलत: गाम-मौआही, जिला-मधुबनी के रहनिहार निलेश कुमार दीपक जी थियेटर आ मिडिया के क्षेत्र में एकटा सक्रिय नाम छथि  आ संगहि, मैथिली टीवी आ सिनेमा में उभरैत नीक कलाकार। निलेश दीपक जी संगीत नाटक अकादमी, नई दिल्ली द्वारा आयोजित आ सतीश आनन्द द्वारा निर्देशित “युवा रंगकर्मी नाट्य कार्यशाला” में प्रशिक्षित तथा संस्कृति मंत्रालय, भारत सरकार द्वारा थियेटरक क्षेत्र में प्रदान कयल जाय बला “ नेशनल स्कॉलर्शिप” प्राप्त कलाकार छथि। IPTA, मधुबनी द्वारा 2000 में आयोजित मधुबनी थियेटर वर्कशॉप में सेहो भाग लेने रहथि।
निलेश दीपक जी कयकटा नाटक में नीक अभिनय केने छथि जाहि में “बगदाद” (कृति जैन), “विद्योत्मा” (मोहन महर्षि), ”औरंगजेब” (के एस राजेन्द्रन),” महादेवी वर्मा” (स्मृति रेखा),”चिमटे वाले बाबा” (के एस राजेन्द्रन), “जल डमरु बाजे” (प्रकाश झा),”बिजुलिया भौजी” (के एन झा), “ समर यात्रा” (प्रेम मटियानी),”मुक्ति पर्व”(प्रकाश झा) आदि किछु प्रमुख नाम अहि।

थियेटर के अतिरिक्त, निलेश दीपक जी टीवी सीरियल आ फ़िल्म में सेहो नीक काज केने छथि।  सौभाग्य मिथिला टीवी चैनल पर प्रसारित कयल जा रहल मैथिली भाषाक हास्य सीरियल “ जंगला मंगला” में जंगलाक भूमिका निभौने छथि । डॉक्यूमेंटरी फ़िल्म “ मिथिला के रंग जीवन के संग” में सफ़ल अभिनय केने छथि। डीडी नेशनल चैनलक लेल एकटा आर सीरियल में हिनकर काज चलि रहल अछि।


2 comments:

  1. मैथिली रंगमंचक विकासमे उत्कृष्ट योगदानक लेल नीलेश दीपकके वर्ष २०१२क '"श्रीकांत मंडल सम्मान " प्रदान कयल गेल अछि।

    ReplyDelete
  2. Shubh Narayan Jha writes about Neelesh Deepak jee-------- " Bahoot neek abhineta, abhinay me samartit aa vividh bhumika ke sahajtah abhinay karba me nipun, maithili me hamar pasandida yuva abhineta, hinkar bhavishy ujwal, natak Mukti Parv, Saubhgya Mithila ke karyakram me, film Hamar Sautin tatha Ghogh Me Chand me sange kaaj karbak hamar anubhav. dhanyavad Maithili Cine World je hinka patal par anla"

    ReplyDelete