Friday, August 24, 2012

Actress Suruchi Verma : Daring Kansalbali


मैथिली एवं हिन्दी रंगमंच पर अपन अभिनयक छटा पसारलाक बाद हिन्दी सीरियल आ फ़िल्म में सक्रिय सुरुचि वर्मा वोना त पटना के रहय बाली छी, मुदा मैथिल, मैथिली आ मैथिली रंगमंच के प्रति हुनक लगाव व प्रेम स एना प्रतीत भ रहल अछि कि सुरुचि जी किनको सं कम नहिं। ज़ी टीवी पर प्रसारित मोहित झा द्वारा निर्देशित सीरियल “भागोवालीमें कल्सन वाली किरदार सं अपन अभिनयक लोहा मनबा वाली आ चर्चित सुरुचि जीके नैन्हपनहि सं अभिनयक शौक छलैन । पटनाक इप्टा, “अक्षरा आर्ट्स” आ “भंगिमा” सं जुड़लाक बाद कतेक रासे हिन्दी आ मैथिली नाटक में अभिनय कयलनि। मैथिली रंगमंचक ख्यातिप्राप्त निर्देशक कुणाल जीके संग मैथिली नाटक “विदापत”, ‘गठबंधन” आर लिली रेक उपन्यास पर आधारित “पटाक्षेप” आ हिन्दी नाटक वैशाली (निर्देशक कुनाल), “जनवासा” (निर्देशक-राजीव रंजन श्रीवास्तव ) आदि किछु उल्लेखनीय नाम अछि ।

मैथिली रंगमंचक ख्यातिप्राप्त निर्देशक कुणाल जीके गुरु मानय बाली सुरुचि हुनके सुझाव पर सीरियल एवं फ़िल्म में अभिनय करय के उद्देश्यक संग मुम्बई चलि एलीह । मुम्बई में संघर्षक उपरान्त सुरुचि जीके महुआ पर प्रसारित सीरियल “खानदान  बड़की मलकाइन” , प्रकाश झाक “बाहुबली” (2008) आदि में काज करबाक अवसर प्राप्त भेलनि। मुदा “भागोवाली” केर मुंहफ़ट्ट मामी कल्सनवालीक किर्दार सं हिनकासली पहिचान भेटलनि अछि।

मुम्बई यूनिवर्सिटी सं ड्रामा में एमए सुरुचि जी मुम्बई आबय सं पूर्व बहुचर्चित फ़िल्म ‘अन्तर्द्वन्द” (2010) में एकटा छोट मोट भूमिका कएने छलैथ । दिवाकर बनर्जीक “लव, सेक्स और धोखा” (2010) में सेहो हिनका काज करबाक मौका भेटलनि मुदा दुर्भाग्यवश  एडिटिंग के बाद हिनकर रोल हटा देल गेल छल। स्टर प्लस पर प्रसारित सीरियल “बिदाई” (2010)में 20 एपिसोड धरि काज कयलनि मुदा किछु कारणवश ई सीरियल बंद भए गेल। मुदा हिनकर प्रतिभाक प्रकाश जड़ैत चलि गेल।

सीरियल आ फ़िल्मके अतिरिक्त सुरुचि जी आयडियाक एड ("Walk when you talk")  एवं  चारिटा लघु फ़िल्म सेहो केने छथि।

No comments:

Post a Comment