Friday, August 10, 2012

Manjeet Gupta: One of the Active actors in Films & Serials

आई काईल्ह मिथिलाक सपूत मंजीत कुमार गुप्ताक जलवा टीवी सीरियल में खूब चलि रहल अछि। डीडी पर प्रसारित हॊबय बला धारावाहिक ' संकोटमोचन हनुमान' में नारदक भूमिका कय रहल छैथ , संगहि प्रति शनि आ रवि के प्रसारित होबय बला सीरियल "अदालत" के करीब हर एपिसोड में कोनो ने कोनो भूमिका में रहि रहल छैथ।
दिल्ली के अस्मिता थियेटर ग्रुप सं जुड़ल आ मूल रुप सं राजनगर के रहनिहार मंजीत जी मैथिली फ़िल्म " दुलरुआ बाबू' में मिस्टर बॉड्क भूमिका केने रहैत । हिनकर एकटा आर मैथिली फ़िल्म" काजर" अछि जकर निर्देशन सागर राय केने रहैत। मनजीत जी अभिनित किछु हिन्दी फ़िल्म अछि-' होम डॆलिवरी', "ट्रैफ़िक सिग्नल", 'आगे से राईट', 'मुम्बइ कटिंग', हॉस्टल","तुम मिलो तो सही" आदि। हिनकर आब फ़िल्म छैन- गुलशन ग्रोबरक "मार्तंग मामा" आ "धुआं" । सीरियलमें "सीआईडी", "सावधान ईंडिया","बालिका बधु',' अल्लादीन' आदि किछु चर्चित नाम अछि।

No comments:

Post a Comment