Sunday, March 24, 2013

R.S.Giri : A Veteran Artist From Mithila



हिन्दी आओर भोजपुरी फ़िल्ममें एहन कतेक रास कलाकार लोकनि काज कय रहल छैथ जे मूलत: मैथिली भाषी छैथ मुदा मैथिली सिनेमाक क्षेत्र सीमित होमयके कारणे ई सब कलाकार आन भाषाक फ़िल्ममें अपन योगदान दय रहल छैथ। एहने मैथिल कलाकारमेंसं छैथ अनुभवी अभिनेता आर एस गिरि।

आर एस गिरि जी मूलतः पंडौलक कमलपुर केर रहनिहार छैथ मुदा पटना हिनक कर्मक्षेत्र रहल। बाल्यकालहिसं नाटकक शौकिन गिरि जी अपन स्कूलमें आयोजित नाटकसबमें अभिनय करैत छलैथ। स्कूली शिक्षाक उपरान्त 1966में पटना सचिवालयमें नौकरी भेटलनि। पटना आगमन पर कयकटा रंगमंचसं जुड़ि अपन अभिनयक क्षुधा शान्त करैत लगलाह। गिरि जीकें “ट्रायल ऑफ़ मुजिबुररहमान”में मिलिटरी ऑफ़िसर केर भूमिका भेटलनि आर एहि नाटकमें अपन अभिनय क्षमता प्रदर्शित करयमें सफ़ल भेलथि। फ़िल्ममें काज करबाक उद्देश्यक संग गिरि जी 1980में बम्बई चलि गेलाह, मुदा मायानगरीक संघर्षपूर्ण जीनगी नीक नहिं लगलैन आ किछु समय व्यतीत कएलाक बाद पटना आबय पड़लनि।
हिन्दी फ़िल्म "ज्वाला दहेज की" (1982)में पगड़ीमें गिरी जी

अन्तत: हिनका पहिल ब्रेक भेटिये गेलैन हिन्दी फ़िल्म “ ज्वाला दहेज की”(1982)में। अरुण गोबिल, शोमा आनन्द, सोनिया साहनी जेहन कलाकारक संग एहि फ़िल्ममें काज करबाक अवसर भेटलनि।चमन निलय द्वारा निर्देशित एहि फ़िल्मक पूरा शूटिंग राजगीरमें भेल छल। गिरि जी एहि फ़िल्ममें दूल्हा केर पिताक भूमिका केने छलैथ। गिरि जी सुजीत कुमार ,पद्मा खन्ना आ राकेश पांडेय अभिनित भोजपुरीक सुपरहिट फ़िल्म “ भैया दूज” (1984), “दूल्हा गंगा पार के”(1986में प्रदर्शित कुणाल,गौरी खुरानाक संग),”पैजनिया” (1988), “सईंया सिपहिया” (2007में प्रदर्शित राजेश सिंह, गुंजन कपूर) , “गंगा ज्वाला” आदि फ़िल्ममें काज करैत चलि गेलाह।
भोजपुरी फ़िल्म " सईंया सिपहिया" (2007)

गिरि जी किछु आरो फ़िल्म आ धारावाहिकमें में काज केने छैथ जेकि प्रदर्शित नहिं भs सकल। दुगोट हिन्दी फ़िल्म “प्यार जिन्दगी है” आ ” कसूर किसका” एवं भोजपुरी फ़िल्म “गंगा तोहरे कारण” आ “अंगना हमार”।

हिन्दी आ भोजपुरी फ़िल्म के अतिरिक्त, गिरी जी बहुत रास धारावाहिक आ डॉक्युमेन्टरीमें सेहो काज केने छैथ जाहिमें हिन्दी धारावाहिक “पहला पाठ” (दिल्ली दूरदर्शन पर प्रदर्शित), डॉक्यूमेन्टरी “ नेवर बिफ़ोर” (फ़िल्म फ़ेस्टिवल के लेल), मौर्य चैनल के लेल “ जुर्म का जाल”, महुआ चैनल के लेल बनल आ शीघ्र प्रदर्श्य धारावाहिक “ डाईन” आदि शामिल अछि।
सीरियल "बुधिया"क एकटा दृष्य

गिरि जीक आबय बला फ़िल्म अछि “ लाल चिनगारी” आ आकाश योगी द्वारा निर्देशित फ़िल्म “ तकदीर” आओर “ छठी मईया सुन ली पुकार”। निर्माताक रुपमें गिरिजी भोजपुरी धारावाहिक “ बुधिया” बना रहल छैथ जाहिमें ओ बुधियाक पिताक भूमिका कय रहल छैथ।

दुखक बात जे एखन धरि गिरि जीकें कोनो मैथिली फ़िल्ममें काज करबाक अवसर नहिं भेटल छैन। आशा करि जे गिरी जी कोनो मैथिली फ़िल्ममें शीघ्रहि देखाई देताह।

1 comment: