Sunday, April 21, 2013

Bhola Chaudhary : An Emerging Actor of Maithili and Hindi Films


वर्तमानमें मिथिलाक धरती पर रहैत फ़िल्ममें पहिचान बनेनिहार कलाकारक संख्यामें बृद्धि भS रहल अछि जेकि अभिनयके इच्छुक युवा लोकनिके लेल बड्ड नीक बात अछि। एहने कलाकारमें सं छैथ भोला चौधरी। मूलत: सुपौल जिलाक निर्मली गामके रहनिहार भोला चौधरी जी एकटा उभरैत अभिनेता छैथ। अभिनयक शौक हुनका नैन्हपनहिसं छलैन आर स्थानीय रंगमंचसं जुड़ि अपन अभिनय कला क्षुधाके तृप्त करयमें लागल लगलाह।

हुनकर अभिनय प्रतिभाके देखि फ़िल्म निर्देशक अभिजीत सिंह जी अपन मैथिली फ़िल्म “ दुलरुआ बाबू ” (2005)में अवसर प्रदान केने छलैथ आ एहि फ़िल्ममें हुनक दमदार अभिनयके बड्ड प्रशंसा भेटल छल। अपन अभिनयक बल पर भोला जीके कयकटा मैथिली फ़िल्ममें काज करबाक अवसर भेटलनि। मनोजझाक “ सुहागिन” (मुख्य अभिनेताक दोस्तक भूमिका), “मायक कर्ज”, “चुटकी भ सेनूर”, संतोष बादलक “ कखन हरब दुख मोर”, मुरलीधर द्वारा निर्देशित “ सजना के अंगना में सोलह सिंगार” आदि हुनक अभिनित किछु फ़िल्मक नाम अछि। मैथिली फ़िल्मक अतिरिक्त, भोला जी हिन्दी फ़िल्म “ कोयला माफ़िया”में सेहो अभिनय कय रहल छैथ जेकि जल्दिये प्रदर्शित होयत। एहिके अतिरिक्त, भोला जी किछु आर अनाम फ़िल्ममें काज कय रहल छैथ।



No comments:

Post a Comment