Sunday, November 17, 2013

Maithili Film "Prem Pratigya": Promise for Social Equality





विगत किछु समयसं मैथिली सिनेमाक विकासक लेल किछु सजग नवतुरिया आगू आबि रहल अछि। हुनका लोकनिमे अपन भाषा, संस्कृति, कला आदिक प्रति अशेष सम्मान आ असीम प्रेम बुझना जायछ। आई प्रत्येक क्षेत्रमे मैथिल युवा वर्ग किछु ने किछु क रहल छैथ अपन मातॄभाषा आ मात्रृभूमिक लेल । एहने किछु मैथिल युवजन  एकटा मैथिली फ़िल्म ल आबि रहल छैथ जकर नाम अछि प्रेम प्रतिज्ञा” । 

अपन मिथिला फ़िल्म प्रोडक्शनक बैनरके अधीन बनल प्रेम प्रतिज्ञा” मिथिलावासी के अपन घर-आंगन, संस्कृति  आ दर्शकक मांगक धेयानमें रखैत विशेष चहटगर गीत, मधुर संगीत, हंसी मजाक, एक्शनसं भरपूर फ़िल्म अछि। फ़िल्मक निर्माता छैथ निर्माता- ओम शंकर राज आ दीपक चौधरी । युवा निर्देशक चंदन मिश्रा जी द्वारा निर्देशित एहि फ़िल्मक कथा पटकथा आ गीत लिखने छथि दीपक दीवाना आ अनर्जित शर्मा। सुन्नर संगीत देने छैथ शिव मनमोही। फ़िल्मक गीतके अपन मधुर स्वर देने छैथ विकास झा, देवानन्द झा, साक्षी, राधा पाण्डेय, रंजना झा ।

लगभग एक सौ बेसी एलबम कए चुकल लहेरियासरायक  हरिपट्टीक निवासी दीपक दीवाना मुख्य नायक आ पूजा कौशिक मुख्य नायिका छैथ । नवोदित कलाकार में ओमशंकर राज आ पलक। सह कलाकार छैथ गुज्जर रंगीला, ज्ञानी रावत, हीरा देवी, चंदन राय, संजय भंडारी, आ कोमल मिश्रा ।



फ़िल्मक कथा ओहन व्यक्ति के सजग क’ रहल अछि जे बेटाक मोह में आबि बेटा बेटीमे अन्तर क’ बेटी पर घोर अत्याचार, बालिका पर उत्पीड़न करैत छैथ । फ़िल्मक शूटिंग मिथिलाक प्रमुख स्थल पर भेल अछि जाहिमे दरभंगा, मधुबनी सहित मुजफ़्फ़रपुर, वैशाली, राजगीर आदि महत्वपूर्ण स्थानक नाम अछि ।

फ़िल्मक विषय-वस्तु, गीत संगीत, प्रभावी अभिनय आदिकए देखैत ई फ़िल्म निश्चित रुपेन मिथिलाक दर्शकक बीच अपन लोकप्रियता हासिल करत। फ़िल्मक अपार सफ़लताकए लेल शुभकामना दैत मिथिला सिनेप्रेमीसं आग्रह जे ओ ई फ़िल्म अवश्य देखैथ।


No comments:

Post a Comment