Thursday, November 14, 2013

"Hum Biyaah Nahi Karab" : Maithili Short Film With Social Relevance



मैथिलि सिनेमाक इतिहासमे लघु फ़िल्मक अपन महत्व अछि। मैथिलीमे पूर्ण फ़ीचर फ़िल्म, विडियो फ़िल्म के संग संग लघु आ डॉक्यूमेन्टरी फ़िल्मक निर्माण सदति होयत रहल अछि। राष्ट्रीय ओ अन्तर्राष्ट्रीय फ़लक पर मिथिला, मैथिल आ मैथिली सिनेमाक पहिचान बनबैमे लघु आ डॉक्यूमेन्टरी फ़िल्मक योगदान उल्लेख़नीय अछि। बहुप्रशंसित फ़िल्म “रक्त तिलक” , " कमला", “नैना जोगिन”, "अफ़वाह"क बाद, मैथिलीक बहुचर्चित फ़िल्म” मुखिया जी” आ “ प्राइड ऑफ़ मिथिला”क युवा निर्देशक विकास झा अपन एकटा आओर लघु फ़िल्म “ हम बियाह नइ करब” ल’ क’ आबि रहल छैथ।


"सेव द चिल्ड्रन"के सहयोगमे रेड क्रॉस सोसाइटी, नेपाल जिला सिरहाके लेल बनल लघु फ़िल्म 'हम बियाह नहिं करब” बाल विवाह पर आधारित अछि । 30 मिनट अवधिक एहि फ़िल्मक पूरा शूटिंग सम्पूर्ण जनकपुर धाममे सम्पन्न भेल। मिथिला नाट्य कला परिषद् (MINAP) के वरिष्ठ कलाकार  द्वारा अभिनित  हि फिल्ममे संगीत देने छैथ मल्लिक बंधु सुनील आ प्रवेश जीफिल्म निर्माण प्रख्यात गायक ओ संगीतकार सुनील मल्लिक जीक अपन प्रोडक्शन हाउस नवरस प्र लिमिटेड  द्वारा कएल गेल अछि।

निर्देशक विकास झा निर्देशनक अतिरिक्त फिल्म लेखन आ संपादन कएने छैथ। हुनका संगे उदीयमान युवा निर्देशक अभिनव झा सेहो लेखन आ छायांकन में एहि प्रोजेक्ट पर सक्रियरुपे कार्यरत छलाह । राकेश मंडल , अमीषा दत्त, गंगा कान्त झा, अनीता मंडल, रविंदर झा, रामनारायण ठाकुर, विष्णु कान्त मिश्र. मदन ठाकुर, अनिल झा, प्रमेश झा, ज्योति झा, प्रकाश झा आदि किछु प्रमुख कलाकार छैथ जिनक अभिनय कला आ क्षमता प्रशंसनीय अछि। आशा अछि "हम बियाह नै करब" मैथिली सिनेमाक दशा ओ दिशामे मीलक पाथर साबित होयत ।

हम बियाह नहिं करब- Maithili Short Film Teaser



No comments:

Post a Comment