Saturday, April 21, 2012

Manoj Shreepati Jha: An Emerging Film Director in Global Cinema



ई छथि युवा मैथिल निर्देशक मनोज श्रीपति झा । मूलत: सहरसा जिलाक कहरा (धबौली) के रहनिहार ई मनोज श्रीपति झा फ़िल्म निर्देशन क्षेत्र में तेजी सं उभरैत नाम अछि। मैथिली में “रक्त तिलक” नामक लघु फ़िल्मक निर्देशन सं कयकटा राष्ट्रीय- अन्तर्राष्ट्रीय फ़िल्म महोत्सव में अपन सशक्त उपस्थिति दर्ज कयनिहार मनोज श्रीपति एखन लगातार भोजपुरी फ़िल्मक निर्देशन क रहल छथि।

मैथिलीक लघु फ़िल्म “ रक्त तिलक” सं पहिने मनोज श्रीपति तारसेमक अंग्रेजी सिनेमा “ द फ़ॉल”, गुरिन्दर चड्ढाक “ ब्राईड एण्ड प्रेज्यूडिश” आदि लेल बतौर सहायक  काज क चुकल छथि। संगहि किछु एड फ़िल्मक निर्देशन सेहो केने छथि। 

हिनका द्वारा निर्देशित पहिल भोजपुरी फ़िल्म” प्यार बिना चैन कहां रे” अहि। हिनकर दोसर भोजपुरी फ़िल्म “ चुन्नू बाबू सिंगापुरी” प्रदर्शन के लेल तैयार भ गेल अछि। मनोज जीक तेसर भोजपुरी फ़िल्म आबि रहल अछि जकर नाम अहि “ कोठा” जाहिमें मैथिली फ़िल्म सेहो देल गेल अछि। हिनकर चारिम भोजपुरी फ़िल्मक पटकथा पर काज चलि रहल अछि।

मनोज श्रीपति जी जल्दिये मैथिली आ हिन्दीमें सेहो एक-एकटा फ़िल्म करबाक विचार कय रहल छथि। मैथिली फ़िल्मक पटकथा प्राय तैयार भ गेल अछि आ जल्दिये पटकथा पर काज आरंभ भ जायत। 
सहयोग- "परिकल्पना"।

2 comments:

  1. Dear Manoj
    I want to contact with you in regard of film making, I tried my best to get contact number, but I am unbale to find it.

    Please reply me at: seemassociation@gmail.com
    or call: 08010666215

    With regard

    SEEMA

    ReplyDelete
  2. Respected Sir,
    I want to be make my career in bhojpuri cinema.....can u help me.

    My email id-: rahulpratapsingh.99@gmail.com
    Mob no-: 9939753351

    ReplyDelete