Thursday, July 5, 2012

Upendra Jha: First Maithil Producer-Lyricist in Hindi Cinema? ( Report - Bhaskar Jha)


हिन्दी सिनेमा जगतमें मैथिल के अवदान-योगदान विषय पर फ़िल्म संबंधी शोध करके क्रम में किछु महत्वपूर्ण जानकारी हाथ लागल। उपेन्द्र झा हिन्दी सिनेमा में संभवतः पहिल मैथिल प्रोडयूसर आर गीतकार मानल जायत छैथ हिनकर प्रोडक्शन “उपेन्द्र झा फ़िल्म्स” के बैनर के अधीन कुल चारिटा फ़िल्म बनल अछि- “बॉम्बे बाय नाइट्स” (1979), “कृष्णा कृष्णा “(1986), “भाग्यवान” (1993) आर “ये दिल्लगी” ()। अंतिम फ़िल्म “ये दिल्लगी’ बाद में यश फ़िल्म द्वारा रिलीज कायल गेल छल।
उपेन्द्र झा फ़िल्म्स के बैनर के अधीन बनल पहि फ़िल्म “बॉम्बे बाय नाइट्स” 1979 में रिलीज भेल छल। ए शमशेर द्वारा निर्देशित अहि फ़िल्म में संजीब कुमार, कुमकुम, रमेश देव, असित सेन, पृथ्वीराज कपूर, बेला बोस, मोहन चोटी काज केने छलैथ। संगित देने छलाह इकबाल कुरैसी।
हिनकर दोसर फ़िल्म छल “कृष्णा कृष्णा “(1986) जेकर निर्देशन केने छलाह चन्द्रकान्त जी आर जाहिमें अभिनेता विश्वजीत , अनीता गुहा ,विद्या सिन्हा, जयश्री गडकर , रंजीत, सत्येन कप्पू, सुधीर दल्बी आर दारा सिंह जेहन दिग्गज कलाकार काज केने छलाह। फ़िल्म में सब गीत सेहो लिखबाक श्रेय प्राप्त छनि। हिनकर द्वारा लिखल गीत के शंकर जयकिशन जी अपन सुमधुर धुन सं सजौने छलाह।

उपेन्द्र झा फ़िल्म्स के अधीन बनल तेसरका फ़िल्म “ भाग्यवान”क निर्देशक छलाह एस सुभाष। गोबिन्दा, जूही चावला,जॉनी लीवर, आशा पारेख, सुरज चड्ढा, अरुणा ईरानी आदि द्वारा अभिनित फ़िल्मक संगीतकार छलैथि आनंद मिलिन्द।
उपेन्द्र झाजी फ़िल्म प्रोडक्शन हाऊसअक मालिक आ गीतकार होबय के संग संग एकटा उत्कृष्ट कोटिक कॉस्ट्यूम डिजायनर सेहो छलाह आ अपन अंतिम फ़िल्म ‘ये दिल्लगी”(1994) जे बाद में यश बैनर द्वारा बनायल गेल, के कॉस्ट्यूम डिजायनिंग केने छलैथ।
एहन महान मैथिल पर मैथिली आर मिथिला इतिहासक गंभीर नजरि कहियो नहिं देल गेल जे दुखद अछि । हमरा सबके हिनका पर गौरव अछि।   रिपोर्ट- भास्कर झा

1 comment: