Wednesday, September 26, 2012

Subhash Chandra Mishra : A Talented Actor of New Generation



सुभाष चन्द्र मिश्रा एकटा उभरैत प्रतिभाशाली अभिनेता छैथ। अपन पहिल मैथिली फ़िल्म “मुखिया जी” सं बड़का परदा पर अभिनय पारीक शुरुआत कयलनि आर बड्ड प्रशंसा बटोरय में सफ़लता भेटलनि। मूल रुप सं दरभंगाक निवासी सुभाष जी एखन धरि लगभग 40टा शॉर्ट फ़िल्म केने छैथ। हिनका द्वारा अभिनित किछु लघु फ़िल्मक नाम अछि- “ We the People”, ‘खिलौना”, “अभिवृति”, “ बैकफ़ायर”, “ सो व्हाट”, “ मदर्स डे”, “ हिडन बाइ ग्लास”, “ रेड एलर्ट’,” डबल ट्रब्ल” आदि। रंगमंचीय अनुभव प्राप्त सुभाष जी बहुत रासे नाटक सेहो केने छैथ जाहिमें “हयावदन”, “छार दिवस”, जमाना आज का”, “बड़े भाई साहब” आदि किछु उल्लेखनीय नाम अछि। AAFT, नोयडा सं अभिनय कोर्स में प्रशिक्षित सुभाष जी नवम्बर 2011 में प्रदर्शित तथा युवा निर्देशक विकाश झा द्वारा निर्देशित मैथिली फ़िल्म “मुखिया जी’ में मुखिया जीक मुख्य भूमिका निभौने छलैथ। FTII, पूनेमें एक्टिंग कोर्स के लेल निर्धारित योग्यताके बादो प्रैक्टिकल अनुभव बढ्बा बास्ते बड़का पर्दाके दिस रुझाब भेल छल हिनका।

अभिनयक संग संग सुभाष जी निर्देशन में प्रशिक्षण सेहो लेने छैथ। हिनका बहुत रासे ऑफ़र भेट रहल अछि मुदा मैथिली फ़िल्म भेटला पर सबसं पहिने वो मैथिलियेटा करताह। सम्प्रति अंग्रेजी-हिन्दी मिश्रित किछु कॉमर्सियल प्रोजेक्ट पर काज कय रहल छैथ।  सुभाष जीके लगभग हर तकनिकी आ प्रायोगिक अनुभव प्राप्त छैन। अपन मायक सुझाव सं प्रोत्साहित भए आ आशिर्वादक संग फ़िल्म लायनमें अयलाह।

No comments:

Post a Comment