Tuesday, September 25, 2012

Mona Ray: A Talented Maithil Actress




मोना राय जी जानल मानल रंगमंच कलाकार एवं हिंदी आ भोजपुरी फिल्मक आ सीरियलप्रसिद्ध अभिनेत्री छैथ मूल रुप सं दरभंगाके रहनिहार मोना राय मैथिली फ़िल्म ‘ससता जिनगी महग सेनुर’, ‘आऊ पिया हमर नगरी” सं अपन अभिनयक प्रारंभ केलीह। बाद में मोना जी मुम्बई चलि एलीह आ भोजपुरी फ़िल्ममें काज करए लगलीह। भोजपुरी फ़िल्ममें अबिते मोना जी कयकटा भोजपुरी फ़िल्म कयलनि जाहिमें उदित नारायन झाक 5टा फ़िल्म -“कब होई गवना हमार”, ‘कब कहबा तु आई लव यू”, “तु बबुआ हमार”, “ई रिश्ता अनमोल बा”, “ कानून हमार मुट्ठी में”, माल्या जीक फ़िल्म “ मंगलसूत्र”। अहिके अलावा , मोना जी “ होके तु रहबू हमार”, “ आब ना ओढा दी ओढनियां ए राजा जी”, “हमार बियाह तोहरे से होई”, कुणाल जीक प्रोडक्शनमें बनल ‘कन्हैया” आदि शित  लगभग दु दरजन फ़िल्म में काज केलीह। टीवी सीरियलमें  डीडी वन पर प्रसारित सीरियल “ नवाब सिराजुद्दौला”, “कोई तो होगा अपना” आदिमें मुख्य भूमिका निभौलीह। कलर्स चैनलक “जय श्रीकृष्णा” , महुआ पर प्रसारित “सातो बचनमा निभायब सजना”, राकेश सिन्हा जीक “घर पहुंचा द देबी मैया”, “सजनवां बैरी हो गईले हमार” आदिमें मुख्य भूमिका केने छलीह। जीटीवीक बहुचर्चित सीरियल “भागोवाली”में मुख्य नकारात्मक भूमिका करयके अवसर भेटलनि। अतबेटा नहिं, मोना जी लगभग दरजन भरि सं बेसी एपिसोडिक शो केने छैथ। हिन्दीमें “बंजर” नामक एकटा फ़िल्म में मूख्य भूमिका केने छलीह जकरा ब्रॉडकास्टिंग एवार्ड भेटल छल। मोना जीक आबय बला भोजपुरी फ़िल्म अछि “ चालबाज चुलबुल पाण्डेय”, ‘मेला में सैंया भुलायल हमार”, "गब्बर सिंह","जीतब कबड्डी " आदि।

No comments:

Post a Comment