Thursday, October 18, 2012

New Maithili Films in the Pipeline


मैथिली फ़िल्म “छूटत नहिं प्रेमक रंग’क शूटिंग 5 नवम्बर सं मधुबनी में में शुरु होमय जा रहल अछि। । प्राप्त जनतवक अनुसार ओम राजेश्वरी त्रिपुरसुन्दरी प्रोडक्शन हाउस प्रा लि क्ड़ बैनर के तहत बनय बला एहि फ़िल्मक निर्देशन कय रहल छैथ संतोष झा। । विधवा विवाह पर आधारित अहि फ़िल्म में अभिनय कय रहल छैथ अनिल मिश्रा, गोविन्द पाठक, निलेश दीपक, राधाकान्त जी (जंगला मंगला) खुश्बू मिश्रा, सोनिया झा, आदि।  एहि मे संगीत देने छाईथ सुनील मल्लिक -प्रवेश मल्लिक आ गीतकार : अशोक दत्त , कुमार शैलेन्द्र , धीरेन्द्र प्रेमर्षि , डॉक्टर राजेंद्र विमल आ गायक गायिका: पंकज प्रसाद , नेहा प्रियदर्शिनी , समरजीत रॉय , चंद्रेश पाण्डेय , सुनील मल्लिक, अंशु माला प्रवेश,रमेश,ललित कामत सावनी,नुपुर,चंद्रेश,कामतसावनी,नुपुर,चंद्रेश ,अंजू नगर मोहम्मद फहीम
        एकटा आर फ़िल्म “रंगबाज छौरा”के निर्माणक घोषणा भेल अछि। -वन फिलम्स द्वारा प्रस्तुत एहि परिवारिक फ़िल्मक निर्देशन कय रहल छैथ चन्दन मिश्र, कथा-पटकथा - बिमलजी मिश्र, संगीत - श्री हरिनाथ झाविमल जी मिश्र . प्रशांत झा, मनीष झा बौआभाई,,कमल किशोर झा केर गीतके स्वर सं सजौने छैथ सुनील कुमार पवन, विकाश झा , माधव राय, देवानन्द झा, राधा पांडे ,पूनम झा ,संतोष झा रहष्य , रोमांच, मधुर गीतक संग सुन्दर संबाद सँ सजल, पूर्ण मनोरंजनक अपेक्षा पर ठार अछि “रंगबाज छौरा” ।
      दिल्लीमे  सुसंपन्न भेल आडिशनक बाद मैथिली फिल्म " सिनेहिया’ सेही बनि रहल अछि। एहि फ़िल्मक निर्माता आ निर्देशक श्री उदय राज जी छथि ।

1 comment:

  1. CINEMA KE STORY SUNKAR LAG RAHLE AICH CINEMA ACHA BARIYA HAIT........

    ReplyDelete