Saturday, July 13, 2013

Ravi Bhushan Bharatiya : The Actor Who Heightened Maithil Pride




पछिला किछु वर्षमें बहुत रास हिन्दी फ़िल्म प्रदर्शित भेल जाहिमें मैथिल/बिहारी अभिनेता केर अभिनय प्रतिभाके बड्ड प्रशंसा भेटल। एहने मैथिल कलाकारमें सं छैथ रवि भूषण भारतीय  जेकि टिग्मांशु धुलिया निदेशित चर्चित फ़िल्म “ पान सिंह तोमर” सं उभड़ि कए कलाप्रेमीके सोंझा आयल छैथ। अपन पहिल फ़िल्म “ पान सिंह तोमर”में दर्शकक वाहवाही पौनिहार रवि भूषण जी मूल रुपसं पूर्णियाके कस्बाके रहनिहार छैथ।

रवि भूषण भारतीय जी 2007में मुम्बई आबयसं पहिने भोपालमें रहि माखनलाल चतुर्वेदी राष्ट्रीय पत्रकारिता विश्वविद्यालयसं स्नातक केलनि। एहि क्रममें भोपालमें हबीब तनवीर (नया थियेटर), बंशी कौल, आलोक चटर्जी, अलकनंदन(नट बुन्देले) जेहन अनुभवी नाटक निर्देशकक संग चारि साल काज करैत रहलाह। पछाति ओ दरभंगामें जन्म लेनिहार राम गोपाल बजाजसं अभिनयक सूत्र सिखलाह । अतबेटा नहिं, ओ प्रयाग संगीत समिति, इलाहाबादसं तबला वादनमें डिप्लोमा सेहो केने छैथ।


 वर्ष 2003 में राष्ट्रीय नाट्य विद्यालय (NSD)में चयन नहिं भेला पर रवि भूषण जी 2004 में पुणे फिल्म संस्थान (FTII )में नामांकन लेलनि आ ओहि ठामसं 2006में अभिनयमें स्नात्कोत्तर डिप्लोमा प्राप्त केलनि। एहि संस्थानमें हुनक  प्रशिक्षकगणमें नसीरुद्दीन शाह, टॉम अल्टर, रजा मुराद, बेंजामिन गिलानी, रवि बासवानी, कंवलजीत, पेंटल जेहन नामी गिरामी हस्ती छलैथ। एफटीआईआईमें अन्तिम वर्ष में ओ अपन डिप्लोमा फिल्म वो सुबह किधर निकल गईबनौलथि जकर निर्देशक एफटीआईआई केर निदेशक त्रिपुरारी शरण छलैथ। एहि फिल्ममें हुनक भूमिका एकटा पढल लिखल नक्सलवादी केर छल। फ़ेर हुनक पहिल फ़िल्म “पान सिंह तोमर”में दोसर मुख्य भूमिका करैत अपन अभिनय यात्रा प्रारंभ केलनि ।एहि फ़िल्ममें ओ पान सिंह तोमरक भातीज बलबंताक दमदार भूमिकामें छलैथ।सलमान खान अभिनीत “ दबंग 2”में हुनक अभिनय सेहो बड्ड नीक छल।


रवि भूषण भारतीय केर आबय बला फ़िल्म अछि- “69 स्टेप्स- रन फ़ॉर रन”, मनोज डाबराक “पंटर” आ “खेल मंत्र”, विश्राम सावंतक “ शूटर”, “भगौड़े”, नितिन कक्कड़ केर “फ़िल्मिस्तान” आ “बुल बुलबुल बंदूक” आदि।

अभिनय के अतिरिक्त, रवि भूषण भारतीय जी ईटीवी मध्य प्रदेश के लेल फ़्रीलैन्स स्क्रिप्ट राइटर  आ पंजाब केसरी, जालन्धर केर उप सम्पादक के रुपमें कार्य कय चुकल छैथ। एहि प्रकारे रवि भूषण जी अभिनय एवं लेख़नक नीक संगम छैथ।

No comments:

Post a Comment