Friday, August 9, 2013

Govind Pathak :One of the Greatest Actors of Mithila



गोविन्द पाठक जी किछु एहन मैथिल कलाकारमें सं छैथ जेकि दूर रहितो अपन मिथिला प्रेम ,मिथिला संस्कृति आ भाषाक सेवामें उल्लेख़नीय योगदान द रहल छैथ । हिन्दी, मैथिली आओर भोजपुरी सिनेमामें अपन पएर जमाबयमें सफ़ल भए अपन अभिनय यात्रा पर चलनिहार गोविन्द जी एकटा नीक, लोकप्रिय चरित्र  आ हास्य अभिनेता छैथ जेकि बहुत रास हिन्दी, मैथिली आ भोजपुरी फ़िल्ममें अभिनय केने छैथ आ एखनो कए रहल छैथ। संस्कृत, मैथिली, हिन्दी, बंगाली, भोजपुरीक नीक ज्ञान रखनिहार पाठक जीक संवाद अदायगी कमालके होयत अछि।

मूल रुपसं समस्तीपुर जिलाक करियन निवासी गोविन्द पाठक जी लगभग 15-16 वर्षसं हिन्दी आ मैथिली थियेटरसं सक्रियतापूर्वक जुड़ल छैथ । नीक उदघोषक आ अभिनेता गोविन्द पाठक जी दूरदर्शनके लेल मैथिली सीरियल "नैन न तिरपित भेल" लेल अभिनय केने छलैथ। हिन्दी सीरियलमें सोनी टीवीक “ लेडिज स्पेशल”, “ क्राइम पेट्रोल”, डीडी-1क “ सात वचन सात फ़ेरे”, जी टीवीक “ झांसी की रानी”, इमेजिन टीवीक “ लूटेरी दुल्हन’ लाइफ़ ओके चैनलक “ सावधान इन्डिया” आ “ मैं लक्ष्मी तेरे आंगन की आदिमें हिनक अभिनय प्रशंसनीय रहल अछि। स्टार प्लसक “ ग्रेट इण्डियन लाफ्टर चैलेंज-IV आ महुआ चैनलक कॉमेडी शो “हँसीक अखाड़ा”मे हुनक प्रशंसित सहभागिता अविस्मरणीय अछि। “हँसीक अखाड़ा”मे ओ रनर-अप रहैथ। गोविन्द पाठक जी किछु एड सेहो केने छैथ जाहिमें भारत ससरकार द्वारा प्रसारित “ पब्लिक सर्विस”क एडमें चरित्र अभिनेता छलैथ। DHFL हाउसिंग फ़ायनेंसक लेल ओ एकटा सोलो एड केने छलैथ।

चरित्र अभिनेताक रुपमें गोविन्द पाठक जी रघुबीर यादव आ सौरभ शुक्ला जेहन माजल कलाकारक संग शुभ द्वारा निर्देशित हिन्दी फ़िल्म “ शकल पे मत जा”में नीक अभिनय केने छैथ। फ़ेर, गोल्डी बहलक रोज मूवी प्रोडक्शनक फ़िल्म  “ आई, मी और मैं”में पाठक जी जॉन अब्राह्म, चित्रांगदा सिंह आ प्राची देशाई संग चरित्र अभिनेताक रुपमें अपन भूमिका निभौने छलैथ। गोविन्द जी द्वारा अभिनित भोजपुरी फ़िल्ममें ‘ कानून हमरा मुट्ठी में”, सत्यमेव जयते”, “ राजा के रानी से प्यार हो गईल” आदि किछु नाम अछि।
किछु दिन पहिने प्रदर्शित ओम राजेश्वरी त्रिपुरसुन्दरी प्रोडक्शन हाउस प्रा लि बैनर मैथिली फ़िल्म " छुटत नहिं प्रेमक रंग" में खलनायकक भूमिकामें मैथिली सिनेमामें हुनक पदर्पण भेल अछि।


हिन्दी फ़िल्म जगतमें एकटा चर्चीत व्यक्ति गोविन्द पाठक जी 1 मई 2013 के सम्पन्न भेल सिँटा (एक्टर सबहक यूनियन) केर चुनावमे मुख्य चुनाव पदाधिकारी छलाह जेकि मिथिलाक लेल गर्वक बात थिक। हुनक मिथिला, मैथिली प्रेम आ योगदानक लेल हिनका मैथिली युवा परिषद , जमशेदपुर द्वारा “मिथिला विभूति”क उपाधि सं सम्मानित कएल गेल अछि।

4 comments:

  1. समस्तीपुर के गौरव है।

    ReplyDelete
  2. Mai pathak jee Ka bahot bara fan hu.......Q ki Unka acting Maine deki hai.......Ye Sach me real actor hai....

    ReplyDelete
  3. Mai pathak jee Ka bahot bara fan hu.......Q ki Unka acting Maine deki hai.......Ye Sach me real actor hai....

    ReplyDelete